
काठमाण्डू, १७ बैसाखः गृहमन्त्री रमेश लेखक आ भारतीय जनता पार्टीक विदेश विभाग प्रमुख विजय चौथाईवालेक बीच आइ काठमाण्डूमे भेटवार्ता भेल अइछ।
नेपाल भ्रमणक सिलसिलामे काठमाण्डू आएल चौथाईवा सिंहदरबारस्थित गृहमन्त्रालय पहुँच क मन्त्री लेखकसँ भेटवार्ता कएलक। भेटमे गृहमन्त्री लेखक भारतक जम्मु–कश्मीरमे भेल आतङ्कवादी आक्रमणक निन्दा करैत नेपाल सरकार आतङ्कवाद विरोधी दृढ प्रतिबद्धता राखैत अइछ से स्पष्ट कएलक।
मन्त्री लेखक कहलैन जे नेपाल–भारतक सदियौं पुरान मित्रवत सम्बन्धकेँ आगाँ आओरो मजबूत बनेबाक विषयमे भारतीय जनता पार्टीक विदेश विभाग प्रमुख चौथाईवालेसँ विमर्श भेल छै।
भेटक अवसरमे चौथाईवा विश्वास व्यक्त कएलक जे नेपाल–भारतक सम्बन्ध आओर सुदृढ होएत। ओ कहलैन, “नेपाल–भारतबीचक सम्बन्ध दृढ अइछ, कोनो विषयसँ एहि मित्रतापूर्ण सम्बन्धपर असर नै पड़त।”
ओ कश्मीर घटनामे एक नेपाली युवकक मृत्यु प्रति दुःख प्रकट करैत गृहमन्त्री लेखकक माध्यमसँ समवेदना व्यक्त कएलक। सङे चौथाईवा कहलक जे नेपालक लोकतन्त्र सुदृढ करबाक दिशामे भारतीय जनता पार्टीक पूर्ण सहयोग सदैव रहत। रासस