विश्वभैर अन्तरराष्ट्रिय श्रमिक दिवस मनाएल जा रहल


काठमाण्डू, १८ बैसाखः   आइमे दिवस अर्थात् ए वर्षक १३६म् अन्तरराष्ट्रिय श्रमिक दिवस विभिन्न कार्यक्रमसभक आयोजन क मनाएल जा रहल अइछ।

श्रमिकसभक पेशागत मर्यादा आ सम्मानक प्रत्याभूति देबाक सङे अधिकार स्थापित भेल दिनक रूपमे प्रतिवर्षमे १ तारिखक दिन ई दिवस मनाएल जाइत अइछ।

विश्वभैरक मजदुरसभ ई दिवसकेँ पर्वक रूपमे मनबैत अपन हक–अधिकार सुनिश्चित करबाक लेल सरकार आ रोजगारदातापर दबाब बनेबाक उद्देश्यसँ विभिन्न कार्यक्रमसभक आयोजनासँ एहि दिवसकेँ मनबैत आएल छैथ।

एहि बेर सेहो नेपालमे विभिन्न मजदुर संगठनसभद्वारा कार्यक्रमसभक आयोजन क ई दिवस मनाएल जा रहल अइछ।

सन् १८८६मे १ तारिखकेँ अमेरिकाक सिकागोमे “आठ घण्टा काज, आठ घण्टा मनोरञ्जन आ आठ घण्टा आराम” नाराक सङ प्रारम्भ भेल मजदुर आन्दोलनक स्मृतिमे प्रतिवर्ष एहि दिन ई दिवस मनाएल जाइत अइछ। ओहि आन्दोलनक क्रममे सिकागोक हेय मार्केट नामक ठाम बम विस्फोट आ प्रहरीद्वारा चलाएल गेल गोलीसँ सात गोटे मजदुरक मृत्यु भेल छल। मुदा आन्दोलन अन्ततः सफल भेल।

पछाइ सन् १८८९मे फ्रान्सक पेरिसमे सम्पन्न विश्वक श्रम संगठन आ श्रमिक नेतासभक बैसारमे विश्व श्रमिक दिवसकेँ सम्पूर्ण विश्वमे मनाएबाक निर्णय लेल गेल। नेपालमे सेहो विराटनगरमे वि.सं. २००३मे भेल श्रमिक आन्दोलनक सफलता वि.सं. २००७ क परिवर्तनक संग–संग ई दिवस मनाएल जाए लागल। वि.सं. २०४६ क राजनीतिक परिवर्तनके बाद नेपालमे ई दिवसमे सार्वजनिक बिदा देल जाए लागल।

एहि ठाममे दिवसक परम्परा पञ्चायती शासनक विरोधक रूपमे प्रवेश कएनर छल। नेपाल ट्रेड युनियन महासंघक अनुसार पहिल बेर वि.सं. २०१९मे नेपाल मजदुर संगठनद्वारा पहिल बेरमे दिवसक आयोजना कएल गेल छल। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको