कक्षा १२ के परीक्षा निधारित समयमे हएतै, हल्लामे नै लागू: बोर्ड


काठमाण्डू, १९ वैशाख : राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड  सानाे ठिमी भक्तपुर    माध्यामिक कक्षा १२ के परीक्षा इएह वैशाख २१ सँ अगिला जेठ २ गतेधैर नियमित रूपमे सञ्चालन होबाक स्पष्ट कएलक अइछ ।

परीक्षाक सन्दर्भमे अनधिकृत तवर विभिन्न सामाजिक सञ्जालमे बोर्डके लोगो प्रयोग क प्रचार भेलापर आपत्ति प्रकट करैत भ्रामक सूचनापर नै विश्वास करए लेल आग्रह कएलक अइछ । अइसँ पहिने बोर्ड कक्षा १२के परीक्षा इएह वैशाख ११ गतेसँ करबाक समयतालिका निर्धारित कएने छल । नेपाल शिक्षक महासङ्घ आन्दोलनके कारण परीक्षाके मितिमे बदलाब कएने छल ।

पछिलाबेर महासङ्घसङ सहमत भेलासँ आब तँ निधारित परीक्षा केन्द्रसभमे परीक्षा सञ्चालन होबाक बोर्ड जनौलक अइछ । बोर्ड अपन कोनो फेसबुक पेज नै रहल आ आधिकारिक सूचना वेबसाइटमार्फत सार्वजनिक होबाक स्पष्ट कएलक अइछ ।

बोर्ड परीक्षाक बाँकी सब काज पूरा क निर्धारित मितिमे मर्यादित तवरसँ सम्पन्न कराबए सब केन्द्राध्यक्ष, शिक्षक, कर्मचारी एवम् सुरक्षा निकाय, अभिभावक, सञ्चारकर्मी आ सम्पूर्ण सरोकारवालाकेँ एक सूचनामार्फत आग्रह केलक अइछ । राष्ट्रिय समाचार समिति 

ताजा खबर
धेरै पढिएको