
काठमाण्डू, १९ वैशाखः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलसंग अजरबैजानक उपविदेशमन्त्री एलनुर मामेडोभ शिष्टाचार भेट केलैन अइछ ।
राष्ट्रपति भवन शीतल निवासमे आइ भेल भेटमे राष्ट्रपति पौडेलद्वारा दू देशबीचके सम्बन्धमे नयाँ प्रगति भेल कहैत खुसी व्यक्त केलैन । राष्ट्रपति पौडेल दू देशबीच सहकार्यक क्षेत्रसभके पहिचान क काज कएल जेबाक बारपर जोड देलैन । ओ कोप–२९ मे अपन सहभागिताबारे स्मरण करैत आब बला दिनमे दू देशक सम्बन्ध आओर मजबूत अएत से विश्वास व्यक्त केलैन ।
उपविदेशमन्त्री मामेडोभ राष्ट्रपति पौडेलद्वारा अजरबैजान भ्रमणक कारण दू देशबीचक सम्बन्धमे नयाँ आयाम जोड़ल गेल बतबैत ३० वर्षधैर कोनो समझदारीपत्रमे हस्ताक्षर नै भेल अवस्थामे आब कोनो ने कोनो समझदारीपत्रमे जल्दी हस्ताक्षर होबा लेल काज भ रहल जानकारी देलैन । रासस