
काठमाण्डू, १९ वैशाख: राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा नेपाल सरकारक अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल नीति आ कार्यक्रम संघीय संसदक दूनू सदनक संयुक्त बैसारमे प्रस्तुत कएल गेल अइछ। नयाँ बानेश्वरमे अवस्थित संघीय संसद् भवनमे आयोजित प्रतिनिधिसभा आ राष्ट्रियसभाक संयुक्त बैसारमे राष्ट्रपति पौडेल नीति आ कार्यक्रम पढ़ल गेल अइछ ।
प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीद्वारा राष्ट्रपति पौडेलके नीति आ कार्यक्रम सम्बोधनक प्रति हस्तान्तरण कएने गेल छल। ताहिसँ पहिने सभामुख देवराज घिमिरे, राष्ट्रियसभाक अध्यक्ष नारायणप्रसाद दाहाल आ सचिवालयक महासचिव पद्यप्रसाद पाण्डेद्वारा राष्ट्रपति पौडेलक स्वागत कएने छल।
संसद् भवनक गेटसँ राष्ट्रपति पौडेलके नेपाली सेनाक ‘रिसल्ला’सहित राजकीय सम्मान देल गेल छल। नेपाली सेनाक परमाधिपति राष्ट्रपति पौडेलक सम्मानमे सेनाक एक टुकड़ीद्वारा सम्मान गारद अर्पित कएल गेल छल। एहि बैसारमे उपराष्ट्रपति, पूर्वप्रधानमन्त्रीगण, पूर्वसभामुखगण, संवैधानिक निकायक प्रमुख आ पदाधिकारीगण, कूटनीतिक नियोगक प्रतिनिधिगण, निजी क्षेत्रक प्रतिनिधि आदिक सहभागिता छल। संयुक्त बैसारके नेपाल टेलिभिजन, रेडियो नेपाल आ अन्य सञ्चारमाध्यमद्वारा प्रत्यक्ष प्रसारण कएल गेल अइछ।
आइ संसद् भवन परिसरके राष्ट्रीय झण्डासहित ध्वजापताकासभसँ सजावल गेल अइछ। भवन परिसरमे अवस्थित ‘वाटर फाउन्टेन’सँ आमन्त्रित पाहुनके स्वागत कएल गेल छै। सचिवालयद्वारा विशेष प्रवेश पाससहित ४००सँ बेसी अतिथिके नीति आ कार्यक्रम प्रस्तुत समारोहमे निमन्त्रण देल गेल छल।
नेपालक संविधानक धारा ९५ अनुसार राष्ट्रपतिद्वारा संघीय संसदक दूनू सदनक संयुक्त बैसारके सम्बोधन करबाक प्रावधान अइछ। सचिवालयद्वारा पूर्वमे तय कएल गेल कार्यक्रम अनुसार इएह वैशाख २२सँ २८ गतेधैर नीति आ कार्यक्रमपर बातचित कएल जाएत आ पारित कएल जाएत।
एहि सङे इएह वैशाख ३० गते विनियोजन विधेयकक सिद्धान्त आ प्राथमिकता विषयमे बातचित प्रारम्भ होएत। नेपालके संविधान अनुसार प्रत्येक वर्ष जेठ १५ गते सरकारक अगिला आर्थिक वर्षक बजेट अर्थमन्त्रीद्वारा संघीय संसद्क संयुक्त बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएत। रासस