
सिरहा, २० बैशाख: हुलाकी सड़क अन्तर्गत सिरहा आ धनुषाकेँ जोड़ैबला कमला नदीपर निर्माणाधीन पुल विगत १३ वर्षसँ अधूरा अवस्थामे अडकल छै। निर्माण कम्पनी ‘लुम्बिनी बिल्डर्स’द्वारा काज रोकलाक कारण ठिक्का सम्झौता तोड़बाक तैयारी कएल जा रहल, ई जानकारी हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय योजना कार्यालय जनकपुरद्वारा देल गेल अइछ।
निर्देशनालयक योजना प्रमुख कृष्ण कुमार महतो कहलैन जे पुलक भासल भागकेँ पुनःनिर्माण अगिला अखार महिनाधैर सम्पन्न करबाक शर्तपर अन्तिम बेर ठिक्का देल गेल छलै। मुदा कम्पनी एक महिनासँ काज पूणरूपेण रोइक देने छै आ म्याद बढ़ेबाक लेल कोनो निवेदन नै देलक, तें ठिक्का तोड़बाक प्रक्रिया शुरू कएल गेल अइछ। कहलैन, “सम्झौताक अनुसार अखार महिनाधैर काज पूरा होब चाही, मुदा हालोतक प्रगति नै देखाइए।”
पूर्वमे निर्माण कम्पनी आ बीमा कम्पनीक बीचक विवाद उच्च अदालत पाटनधैर गेल छल। पुल निर्माणक क्रममे दूटा पाएर भाइस गेला बाद कम्पनी बीमा नगदके दाबी कएने छल। ओ मामिला हाल अदालतमे विचाराधीन छै, तें निर्माण सम्झौता रद्द करबाक वा कारबाहीक प्रक्रिया बारे कानूनी परामर्श ल रहल छी, प्रमुख महतो कहलैन।
लुम्बिनी बिल्डर्सक साइट इञ्चार्ज सुदीप थापा अनुसार पुल निर्माणक अन्तिम चरणमे बाइढ़के कारण नुकसान भेल छल, आ बीमासँ ८ करोड़ टकाके दाबी कएल गेल छल। ओ नगद नै भेटलाक कारण आर्थिक संकटमे निर्माण काज रोकए पड़ल, ओ जानकारी देलैन।
वि.सं.. २०६८मे तीन वर्षमे निर्माण सम्पन्न करबाक सम्झौता भेल छल। मुदा समय-समयपर म्याद बढ़ैत-बढ़ैत १३ वर्ष भ गेल, मुदा पुल आइयो अधूरे अइछ। पहिने ई पुल ‘पप्पु कन्स्ट्रक्सन’ बनबैत छल, मुदा भोथियाएल छोड़ेबाक कारण ओ कम्पनी ब्लाकलिस्टमे गेल, आ बाकी काज लुम्बिनी बिल्डर्सद्वारा कएल जा रहल छल। २०८२ अखारधैर म्याद बढ़ाएल गेल रहए, जे हाल बेकार गेल।
स्थानीय वासी कमलामे काठक अस्थायी पुल बना क आवागमन क रहल छै, मुदा बरसातमे ओहिठाम पुल बईह जाइत छै आ जनताकेँ भारी कठिनाइ होइत छै। सिरहा नगरपालिका–६ क वाडध्यक्ष इन्द्रजित यादव कहलैन जे सिरहा आ सप्तरीक लोक जनकपुर जाए लेल भारतीय बजार जयनगर या नाहपर जोखिम उठब पड़ैत अइछ, वा मिर्चैया-ढल्केवर होइत घुमीक तीन घण्टाक यात्रा करए पड़ैत अइछ।
तराई मधेशक ‘लाइफलाइन’ मानल जाएबला हुलाकी सड़क मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधामसँ जोड़ैबला छोट दूरीक राष्ट्रीय गौरवक आयोजना छी। पुल निर्माण कार्य समयसँ पूरा भ उद्घाटनक तैयारी चइल रहल छल, मुदा कमला नदीक बाइढ़मे पुलक भाग भासलाक कारण पुनःनिर्माणमे देरी भेल आ पुल फेर बनेत की नै, से अनिश्चित भ गेल अइछ।