
काठमाण्डू, २० वैशाखः सरकार अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल वार्षिक नीति तथा कार्यक्रम सार्वजनिक कएने अइछ। राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा संघीय संसद्क संयुक्त बैसारमे प्रस्तुत कएल गेल नीति तथा कार्यक्रममे किछ महत्त्वपूर्ण आ रूपान्तरणकारी योजनासभ समावेश अइछ। राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)द्वारा ओहि विषयसभकेँ बुँदागत रूपमे प्रस्तुत कएल गेल अइछ। प्रमुख बुँदासभ एहि प्रकार छै:
– उच्चस्तरीय आर्थिक सुधार सुझाव आयोगक प्रतिवेदनक कार्यान्वयन
– कर प्रणालीमे संरचनात्मक सुधार
– वैकल्पिक वित्त कोषक स्थापना
– वस्तु विनिमय सम्बन्धी कानून निर्माण
– नेपाल धितोपत्र बोर्ड आ नेपाल स्टक एक्सचेञ्जक पुनर्संरचना
– दोसर वित्तीय क्षेत्र विकास रणनीति कार्यान्वयन
– खराब कर्जाक समाधान लेल सम्पत्ति व्यवस्थापन कम्पनी स्थापन
– डिजिटल बैंक सम्बन्धी कानूनी आ नीतिगत संरचना
– बीमे सूचना केन्द्र कार्यान्वयन
– कृषि उद्यम लेल पाइलट प्रोजेक्ट
– हरित व्यवसायक आधारपर आर्थिक मार्ग निर्माण
– प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण परियोजनाक पुनर्संरचना
– किसान लेल बीमा विस्तार, राष्ट्रिय परिचयपत्र
– बाली लगाबैसँ पूर्व समर्थन मूल्य निर्धारण, अग्रिम खरिद सम्झौता
– भूमिसम्बन्धी विधेयक पास करबाक तैयारी
– सहकारी नीतिक पुनरावलोकन, नव नीति जारी
– समस्याग्रस्त सहकारीक बचतकर्तासभ लेल कोष स्थापना
– कर्जा सूचना, बचत सुरक्षाक व्यवस्था, न्यायाधिकरण स्थापन
– चुरे संरक्षण गुरुयोजनाक पुनरावलोकन
– राष्ट्रपति चुरे–तराई–मधेश परियोजनाक पुनर्संरचना
– वायु गुणस्तर कार्ययोजना कार्यान्वयन
– युरो–छ मापदण्डअनुसार सवारी साधन
– जलवायु वित्त आ कार्बन व्यापार नियमावली तर्जुमा
– विद्युत् प्रसारण लाइनमे निजी क्षेत्रक सहभागिता सुनिश्चित
– स्टार्टअप आ व्यवसाय संवर्द्धन केन्द्र स्थापना
– धौवादी फलाम कम्पनी आ विशेष आर्थिक क्षेत्र सार्वजनिक–निजी साझेदारीमे
– नेपाल व्यापार एकीकृत रणनीति, व्यापार घाटा न्यूनीकरण कार्ययोजना
– लजिस्टिक गुरुयोजना निर्माण
– ग्रिन हाइड्रोजन उत्पादन
– पेट्रोलमे बायो इथानोल मिश्रण नीति कार्यान्वयन
– नेपालके पर्यटन गन्तव्य रूपमे प्रवर्द्धन (सांस्कृतिक, साहसिक, चलचित्र, ध्यान, आरोग्य)
– विश्व सम्पदा सूचीमे नयाँ स्थान समावेश
– नेपाल वायुसेवा निगमक पुनर्संरचना
– नेपाल हवाई सेवा आ नागरिक उड्डयन सम्बन्धी विधेयक पास
– योगदानमे आधारित सामाजिक सुरक्षा कार्यक्रम अनिवार्य
– अगिला दशककेँ आन्तरिक रोजगारी दशक घोषित
– विद्यालय शिक्षाक सुधार लेल दीर्घकालीन मार्गचित्र
– विद्यालय शिक्षासम्बन्धी विधेयक पास
– २०८४ भितरसभ बालबालिकाके आधारभूत शिक्षाक व्यवस्था
– राष्ट्रपति शैक्षिक सुधार कार्यक्रमक परिमार्जन
– प्राविधिक शिक्षा विश्वविद्यालय तहधैर
– सरकारी सेवामे इन्टर्नसीप कार्यक्रम
– ‘कमाइत–पढइत’ नीति, हप्तामे २० घण्टाधैर कार्य अनुमति
– विकट क्षेत्रमे आवासीय विद्यालय
– शिक्षक बैंक, दरबन्दी पुनरावलोकन, योग्यता मापदण्ड
– स्पोर्ट्स स्कुल कार्यक्रम
– अन्तर्राष्ट्रीय पदक विजेता आ हुनकर सन्तति लेल छात्रवृत्ति
– राष्ट्रपति महिला उत्थान कार्यक्रमक पुनर्संरचना
– बाल हेल्पलाइन सेवा नागरिक एपसँ जोड़ब
– निरोगी नेपाल अभियान, जलन आ हृदय सेवा विस्तार
– फागुन मास ‘नसर्ने रोग स्क्रिनिङ महिना’
– क्यान्सर आ किडनी प्रत्यारोपण सेवा विस्तार
– काठमाण्डूमे राष्ट्रिय न्यूरो साइन्स केन्द्र स्थापना
– जनरण नर्सिङ कार्यक्रम
– बीमा बोर्डक पुनर्संरचना
– सरकारी अस्पतालसभके एकेटा अनलाइन सेवामे आबद्ध
– दवाइ आ स्वास्थ्य सामग्रीसँ सम्बन्धित एकीकृत ऐन
– विदुषी योगमाया आयुर्वेद विश्वविद्यालय सञ्चालन
– नव जनसङ्ख्या नीति तर्जुमा
– भृकुटीमण्डपकेँ अन्तर्राष्ट्रीय सम्मेलन आ प्रदर्शनी केन्द्र बनाउब
– एक स्थानीय तह, एक स्मार्ट हुलाक अवधारणा
– नेपालक अपन भूउपग्रह संचालन, सुरक्षित साइबर स्पेस निर्माण
– राष्ट्रिय प्रतिरक्षा विश्वविद्यालय संचालन
– नागरिक सेवा केन्द्र स्थापना
– स्थानीय विकास प्रशिक्षण प्रतिष्ठानकेँ संघीयता अध्ययन प्रतिष्ठानमे रुपान्तरण
– निजामती सेवा विधेयक पास
– परराष्ट्र नीति: “सबसँ मित्रता, केकरोसँ शत्रुता नै”
– प्रधानमन्त्री कार्यालयकेँ ‘सेन्टर अफ एक्सिलेन्स’ बनाउब
– २०८३ भितर सम्पत्ति शुद्धीकरण सम्बन्धी अन्तर्राष्ट्रीय मापदण्ड पालना
– राष्ट्रिय लेखा अनुमानक आधार वर्ष परिवर्तन