सहमतिक बाद आवासीय चिकित्सक काममे फिर्ता


काठमाण्डू, २१ वैशाख : सरकार आ विभिन्न मांग सहित आन्दोलन करैत आएल चिकित्सकबीच सहमति भेल अइछ । स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री प्रदीप पौडेल, नेपाल चिकित्सक सङ्घ आ आवासीय चिकित्सकबीच विभिन्न विषयमे सहमति भेल छै।

सहमतिअनुसार चिकित्सके शिक्षा आयोगके १६म् बैसारके निर्णय कार्यान्वयन कएल जाएत ।एहिने , निजी तथा सार्वजनिक संस्थाके एकैसाथ म्याचिङ तथा भर्ना होबाक व्यवस्था कएल जाएत । आवासीय चिकित्सकके बिदा, कार्य समय, अतिरिक्त सुविधासहितके विषयमे स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय कार्यदल गठन क १५ दिनभित्र प्रतिवेदन पेश करबाक सहमति भेल अइछ ।

तहिने , आवासीय चिकित्सककेँ स्वास्थ्य सेवाके आठम् तह बराबरके निर्वाह भत्ता तत्काल उपलब्ध कराबए सम्बन्धित सरोकारवाला निकायकेँ निर्देशन देबाक सहमति भेल अइछ । सहमतिमे स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयक महाशाखा प्रमुख डा भीमप्रसाद सापकोटा आ नेपाल मेडिकल एसोसिएसनके दिससँ नेपाल चिकित्सक सङ्घके महासचिव सञ्जिव तिवारी हस्ताक्षर कएलक अइछ ।

मन्त्री पौडेल सरकार आवश्यक प्रतिबद्धता कएलाक बाद नेपाल चिकित्सक सङ्घ आन्दोलन फिर्ता लेल गेल आ सहमति कार्यान्यनक लेल स्वयंसभ इमान्दार प्रयास करबाक बतौलैन । निजी मेडिकल कलेज सेहो आठम् तहसरह भत्ता देबाक प्रतिबद्धता जनौलक आ आवासीय चिकित्सक काममे फिर्ता भेल मन्त्री पौडेल बतौलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको