
काठमाण्डू, २१ वैशाखः राष्ट्रियसभाक अध्यक्ष नारायणप्रसाद दाहाल भारतके उडिसा राज्यस्थित भुवनेश्वरके केआइआइटीमे एके प्रकृतिके घटना दोहोराएल अइ विषयमे सत्य, तथ्य खोजबिन करएके वातावरण बनाबए सरकारक ध्यानाकर्षण करौने अइछ ।
राष्ट्रियसभाक आजुक बैसारके आकस्मिक आ शून्य समयमे सांसदसभ केआइआइटी कलेजमे अध्ययानरत छात्रा प्रिन्सा साहके रहस्यमय मृत्यु भेल उल्लेख करैत खोजबिन करबाक मांग कएने छल । तकरबाद सभाध्यक्ष दाहाल सत्य, तथ्य खोजबिन करए लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौने अइछ।
आजुक बैसारके आकस्मिक आ शून्य समयमे सांसदसभ उठाएल अन्य विषयके जवाफ संसद् नियमावली निर्धारण समयभित्रे देबाक लेल ओ सम्बन्धित मन्त्रालयके ध्यानाकर्षण करौने अइछ । रासस