
जनकपुरधाम, २२ बैशाखः धर्मचक्रवर्ती तुलसी पीठाधीश्वर पद्विभूषण जगद्गुरु रामानन्दाचार्य स्वामी रामभद्राचार्यजी महाराज नेपाल आ भारतकेँ हिन्दू राष्ट्र बनाएल जेबाक चाही कहलैन अइछ ।
जानकी नवमी अर्थात् सीता जयन्तीक पूर्वसन्ध्यापर आइ जनकपुरधाम स्थित जानकी मन्दिरमे दर्शन आ पूजाअर्चना कएलाक बाद पत्रकारसभसँ बातचीत करैत कहलैन “हिन्दू धर्म आ संस्कृतिक संरक्षण लेल नेपाल-भारतकेँ हिन्दू राष्ट्र रूपमे कायम करबाक आवश्यकता अइछ।”
स्वामी रामभद्राचार्यजी महाराज कहलैन “संसारक बदलैत परिस्थितिमे धर्मान्तरण लगातार भ रहल छै, तँए सब हिन्दू धर्मावलम्बीकेँ एहि विषयमे सजग रहबाक आवश्यकता छै। नेपाल आ भारत बीच प्राचीन समयसँ धार्मिक आ सांस्कृतिक सम्बन्ध अइछ, आ एहि सम्बन्धकेँ आओर समृद्ध बनेबाक दिशामे धीयान देबाक चाही।”
जानकी मन्दिरक सह-महन्थ रामरोशन दास जानकारी देलैन जे स्वामीजी पहिने महोत्तरी स्थित जलेश्वरनाथ मन्दिर आ लक्ष्मीनारायण मठमे पूजा-अर्चना कएने रहैथ। सप्ताहव्यापी सीता जयन्ती मनाबैलेल ओ आइ जनकपुरधाम आएल छैथ। रासस