
काठमाण्डू, २४ वैशाखः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली राष्ट्रिय पत्रकारिता दिवसके अवसरमे सम्पूर्ण सञ्चारकर्मीमे शुभकामना व्यक्त कएलैन अइछ । सामाजिक सञ्जालमार्फत ओ पत्रकार आ पत्रकारितासँ सम्बन्धित सबप्रति हार्दिक शुभकामना व्यक्त कएलैन ।
पुस्तकालयमे गोरखापत्र पइढ़ रहल अपन तस्बिर ‘फेसबुक’मे ‘पोष्ट’ करैत प्रधानमन्त्री ओली “आइ गोरखापत्र स्थापना दिवस। विक्रम संवत् १९५८ वैशाख २४ गते गोरखापत्र स्थापना भेल छल । आजुक दिनकेँ हमरासभ राष्ट्रिय पत्रकारिता दिवसके रूपमे मनेबाक कएने छी । सम्पूर्ण पत्रकार आ पत्रकारितासङ सम्बन्धित सबकेँ हार्दिक शुभकामना”, लिखने छैथ । रासस