
नयाँ दिल्ली,२४ वैशाख (रासस/एएनआई/एएफपी) : भारत ‘अपरेशन सिन्दूर’ नाम देल गेल एक सैन्य कारबाही अन्तर्गत पाकिस्तानक’ नौ स्थानमे हवाई आक्रमण केलक अइछ। भारतीय रक्षा मन्त्रालयक अनुसार, उक्त सब स्थानसभसँ भारतउमे होएबला आतंकी आक्रमणसभके योजना आ निर्देशन भ रहल छल।
उक्त कारबाही अप्रिल २२ मे भारत-नियन्त्रित कश्मीरमे भेल आक्रमणबाद कएल गेल अइछ, जाहिमे २६ गोटे पर्यटकके मृत्यु भेल छल। भारत ओइ आक्रमणके दोष पाकिस्तानकेँ लगेलक अइछ।
भारतके वाशिङ्टनस्थित दूतावास जारी कएल विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “आक्रमण पूर्णरूपमे लक्षित आ सटीक छल। केवल पहिचान खुलल आतंकी शिविरसभकेँ मात्र निसाना बनाएल गेल अइछ।”
पाकिस्तानी प्रधानमन्त्री शहबाज शरिफ भारतके कारबाहीकेँ युद्धके घोर उक्साहट भेल कहैत कड़ा निन्दा कएलक आ मजबुत जवाफ देबाक चेतावनी देलक अइछ।
संयुक्त राष्ट्रसंघ दुबै पक्षकेँ संयम अपनेबाक लेल आग्रह केलक अइछ। कहल गेल अइछ जे, “दू आणविक शक्तिसभक बीच युद्ध विश्वके लेल बहुत खतरनाक भ सकैत अइछ।” रासस