
काठमाण्डू, २५ बैसाख: गृहमन्त्री रमेश लेखकक अध्यक्षतामे आइ गृहमन्त्रालयमे आयोजित केन्द्रीय सुरक्षा समितिक बैसारमे भारत–पाकिस्तानबीच उत्पन्न द्वन्द्वक अवस्था आ ओकर नेपालपर होएबला प्रभाव, आन्तरिक सुरक्षासहित विभिन्न विषयसभपर गम्भीर बातचित भेल।
गृहमन्त्रालयक प्रवक्ता रामचन्द्र तिवारीक अनुसार, अवाञ्छित गतिविधिसभक रोकथामक उद्देश्यसँ नेपाल–भारत सीमा आ विमानस्थलसहित संवेदनशील क्षेत्रसभमे निगरानी बढ़ेबाक आ सुरक्षा संयन्त्रकेँ उच्च सतर्क अवस्थामे राखबाक निर्णय लेल गेल अइछ।
ओ कहलक जे भारत–पाकिस्तानबीच उत्पन्न तनावके पृष्ठभूमिमे नेपालके होएबला प्रभाव, सम्भावित चुनौती आ ओहि देशसभमे रहनिहार नेपाली नागरिकके सुरक्षासम्बन्धी विषयसभपर सेहो बैसारमे विचार-विमर्श भेल।
प्रवक्ता तिवारी कहलक, “आन्तरिक सुरक्षाक दृष्टिसँ होएबला सकैबला अतिरिक्त तैयारी, समन्वय आ सूचनाक आदानप्रदानक विषयसभपर चर्चा भेल अइछ। सीमाना आ विमानस्थलक सुरक्षा व्यवस्थामे विशेष निगरानी राइख ओहि व्यवस्थाकेँ चुस्त-दुरुस्त बनेबाक, राष्ट्रिय आ आन्तरिक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक आ सम्भावित चुनौतीक सामना करबाक निर्णय बैसारमे लेल गेल।” रासस