
काठमाण्डू, २६ वैशाखः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीसङे नेपालक लेल भारतीय राजदूत नवीन श्रीवास्तव आइ भेट कएलक अइछ ।
प्रधानमन्त्री निवास, बालुुवाटारमे भेल भेटमे भारतके पहलगाममे बितल ‘२२ अप्रिल’ मे आतङ्कवादी आक्रमणके कारण भारत–पाकिस्तानबीच उत्पन्न पछिला तनाव आ घटनाक्रमबारे राजदूत श्रीवास्त प्रधानमन्त्री ओलीकेँ जानकारी कराैलैन।
ओ आक्रमणमे भारत जवाफी कारबाही मात्र कएने मुदा ‘जेट हमला’ भेल से प्रचार सत्य नै भेल स्पष्ट कएलैन । राजदूत श्रीवास्तव ओइ घटनाक सम्बन्धमे नेपाल सरकारसँ वृहस्पैतदिन सार्वजनिक भेल वक्तत्वप्रति धन्यवाद व्यक्त कएने प्रधानमन्त्री ओलीके सचिवालय जनौलक अइछ ।
उक्त अवसरमे प्रधानमन्त्री ओली नेपाल विश्वशान्तिक पक्षमे रहल उल्लेख करैत सब प्रकारके आतङ्कवादविरुद्ध अपन दृढ अडानअनुरूप ओइ आतङ्कवादी हमलाके भत्र्सना कएलैन । नेपाल कोनो द्वन्द्वरत शक्तिकेँ अपन पड़ोसी राष्ट्रविरुद्ध नेपालके भूमि प्रयोग हुअ नै देबाक स्पष्ट कएने छलैथ । रासस