
भैरहवा (रूपन्देही), २७ वैशाखः पच्चीस सओ ६९ म् बुद्धजयन्ती तथा लुम्बिनी दिवस इएह वैशाख २८, २९ आ ३० गते लुम्बिनीमे विशेष उत्सव आयोजित क मनाएल जेबाक भेल अइछ ।
लुम्बिनी विकास कोष आइ लुम्बिनीमे पत्रकार सम्मेलन क बुद्धके जन्म, बोधिज्ञान प्राप्ति आ महापरीनिर्वाणके त्रियोग भेल दिन अर्थात् वैशाख पूर्णिमाक दिन विशेष समारोह होबाक प्रचारप्रसार समितिक संयोजक ढुण्डीराज भट्टराई जानकारी देलैन अइछ ।
विशेष समारोहमे लुम्बिनी विकास कोषक अध्यक्ष एवम् संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डेसहित सङ्घीय सरकारक’ मन्त्रीहरु, लुम्बिनी प्रदेशक प्रदेश प्रमुख, मुख्यमन्त्री, प्रदेश मन्त्रिपरिषद्क सदस्य, कूटनीतिक नियोगक’ प्रमुख तथा प्रतिनिधिसभ सहभागी होबाक ओ बतौलैन ।
वैशाख २८ गते साँझ मायादेवी मन्दिर परिसरमे अहोरात्र महापरित्राण पाठ हएत तँ वैशाख २९ गते भोर ६ बजेसँ भिक्षु–भिक्षुणी, लामे गूरुसभ तथा उपासक उपासिकासभके सहभागितामे प्रार्थना सभा, भोर ७ः३० शोभायात्रा हएत । रासस
–––