पाकिस्तानमे अध्ययनरत नेपाली विद्यार्थीसँ निरन्तर सम्पर्कमे छी: परराष्ट्र


काठमाण्डू, २७ वैशाखः परराष्ट्र मन्त्रालय पाकिस्तानमे अध्ययनरत नेपाली विद्यार्थीसँ निरन्तर सम्पर्कमे रहल जनौलक अइछ ।

मन्त्रालय एक विज्ञप्तिमार्फत हाले विकसित घटनाक्रमक सन्दर्भमे नेपालीके सुरक्षा आ हित सुनिश्चित करए लेल सरकार पूर्णरुपमे सचेत रहल जनौलक अइछ । पाकिस्तानस्थित नेपाली दूतावास ताहि ठाँम रहल विद्यार्थी आ नेपालीसङ निरन्तर सम्पर्कमे भ काज क रहल उल्लेख केलक अइछ ।

मन्त्रालय तत्काले कोनो सहयोग आवश्यक भेलापर नेपाली विद्यार्थी तथा अभिभावक इस्लामावादस्थित नेपाली दूतावासमे सम्पर्क करबाक लेल कहल गेल  अइछ ।

तहिना,  भारतमे अवस्थित नेपाली दूतावास नेपालीकेँ सचेत आ सुरक्षित रहबाक आग्रह केलक अइछ । दूतावास एक विज्ञप्तिमार्फत संकटकालीन अवस्थामे सुरक्षित आ आपतकालीन सेवा प्राप्त नै भेलापर लगके स्थानके सुनिश्चित करबाक आग्रह केलक अइछ ।

भारतके जम्मू कश्मीरके पहलगाम आतङ्कवादी हमलाबाद विकसित घटनाक्रमकेँ मध्यनजर करैत दूतावास आवश्यक सर्तकता अपनेबाक लेल ध्यानाकर्षण कराएल गेल अइछ ।

दूतावास भारत सरकारक आधिकारिक निकायसँ जारी भेल सुरक्षासम्बन्धी निर्देशनके पालनासमेत करबाक लेल कहल गेल छै । नेपाली नागरिक नेपाली दूतावस आ महावाणिज्यदूतावास कोलकातामे सम्पर्क करबाक लेल सेहो आग्रह केलक अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको