लुम्बिनीमे बुद्धजयन्ती अवसरमे विशेष कार्यक्रम


लुम्बिनी, २९ वैशाखः भगवान गौतम बुद्धक २५६९म् जयन्तीक अवसरमे आइ विशेष कार्यक्रमक आयोजना लुम्बिनीमे कएल गेल अइछ। प्रत्येक वर्ष वैशाख शुक्ल पूर्णिमाक दिन मनाएल जाए वाला बुद्धजयन्तीक विशेष समारोह आइ बुद्ध जन्मस्थल लुम्बिनीमे आयोजित भ रहल अइछ। लुम्बिनी विकास कोषक कोषाध्यक्ष ढुण्डीराज भट्टराइद्वारा जनाएल गेल अइछ जे बुद्ध पूर्णिमे विशेष समारोह अन्तर्राष्ट्रीय बौद्ध सम्मेलन तथा धीयान केन्द्रमे आयोजित हएत, जाहिमे प्रमुख अतिथि रूपेँ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सहभागी भ रहल छैथ।

समारोहमे लुम्बिनी विकास कोषक अध्यक्ष तथा संस्कृति, पर्यटन एवम् नागरिक उड्डयन मन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे, संघीय आ प्रदेश मन्त्रीसभ, लुम्बिनी प्रदेशक प्रदेश प्रमुख, मुख्यमन्त्री, कूटनीतिक नियोगसभक प्रतिनिधि आ विदेशी पाहुनसभक सहभागिता रहबाक जानकारी देल गेल अइछ।

बुद्धक जन्म, ज्ञान प्राप्ति आ महापरिनिर्वाण एक्के तिथि वैशाख शुक्ल पूर्णिमामे होएबाक कारणे नेपाल सहित विश्वक बौद्ध धर्मावलम्बीसभ एहि दिन श्रद्धा आ भक्तिक सङ बुद्धजयन्ती मनबैत छैथ।

विकास कोषद्वारा बुद्धजयन्तीक २५६९म् संस्करण आ लुम्बिनी दिवस २०८२के तीन दिनधैर विविध कार्यक्रमक माध्यमसँ उत्सव रूपमे मनाएल जाएब जानकारी देल गेल अइछ। बुद्धक जीवनीसँ सम्बन्धित लुम्बिनी, तिलौराकोट, रामग्राम आ देवदहमे तीन दिनधैर कार्यक्रम आयोजित कएल गेल अइछ।

कोषक उपाध्यक्ष डा. ल्हारक्याल लामाक अनुसार वैशाख २८, २९ आ ३० गते तीन दिन उत्सवक रूपमे बुद्धजयन्ती मनाएल जाएत। ओ कहलैन जे लुम्बिनी विकास लेल सुशासन जरूरी छै आ बुद्धजयन्ती देश आ विश्व दुनू लेल गौरवक विषय छी।

उपाध्यक्ष लामाक कथन अनुसार बुद्धक जन्म, ज्ञान प्राप्ति आ परिनिर्वाणक त्रियोग एक्के दिन भेलाक कारणे बुद्ध पूर्णिमाक विशेष महत्व छै। गौतम बुद्धक जन्म २६४९ वर्ष पूर्व, ई.पू. ६२३मे लुम्बिनी स्थित सुन्दर आ पवित्र बगैचामे वैशाख शुक्ल पूर्णिमाक दिन भेल छल।

लुम्बिनी विकास कोषक सदस्य सचिव सानुराजा शाक्य कहलैन “भारत आ पाकिस्तान जकाँ दू पैघ शक्ति युद्ध उन्मुख भ रहल समयमे लुम्बिनीसँ शान्तिक सन्देश जाए—एहि उद्देश्यसँ बुद्धजयन्तीक अवसर उपयोग होबाक चाही।”

तीनदिन कार्यक्रम अन्तर्गत वैशाख २८ गते साँझ मायादेवी मन्दिर परिसरमे अहोरात्र महापरित्राण पाठ सम्पन्न भेल। आइ मुख्य कार्यक्रमसँ पहिने भिक्षु, भिक्षुणी, लामा गुरु तथा उपासक–उपासिकाक सहभागितामे प्रार्थना सभा आ शोभायात्रा आयोजित हएत ।

एहि सङे बृहत्तर लुम्बिनी क्षेत्र अन्तर्गत अस्तिधातु अवस्थित रामग्राम, प्राचीन तिलौराकोट दरबार, कुदान आ देवदहमे स्थानीय तहसभक समन्वयमे विविध कार्यक्रमक आयोजन कएल जाएत।

बुद्धजयन्तीक काइलपल्ट वैशाख ३० गते हरेक वर्ष आयोजित होइत बोधिसत्व सिद्धार्थक शोभायात्रा आ नवजात शिशु राज कुमार सिद्धार्थकेँ लुम्बिनीसँ कपिलवस्तु तिलौराकोट ल जेबाक कार्यक्रम सेहो निर्धारित अइछ। ई शोभायात्रा मायादेवी मार्ग हँसैत बुद्धकालीन अवस्थाक झलक दैत सम्पन्न होएत। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको