
काठमाण्डू, ५ जेठ : नेपाल पहिल बेर आइसिसी महिला टी–२० विश्वकपके ग्लोबल छनाैटमे स्थान कायम कएलक अइछ । संयुक्त अरब इमिरेट्स (युएई)केँ पाँच विकेटसँ पराजित करैत उक्त स्थान कायम कएलक अइछ ।
सुपर–३के शीर्ष दूमे स्थान बनाबैत नेपाल सफलता प्राप्त केलक अइछ । आब नेपाल इएह वर्ष महिला टी–२० विश्वकपके ग्लोबल छनाैट प्रतियोगिता खेलत । ग्लोबल छनाैटमे नेपालसहित १० टीम सहभागी हएत । ओइ प्रतियोगितामे शीर्ष चाइर स्थान बनेबाक टोली सन् २०२६ मे इङ्ग्ल्यान्डमे होबला आइसिसी महिला टी–२० विश्वकप क्रिकेट प्रतियोगिता खेलाएत ।
थाइल्यान्डके टेर्डथाइ क्रिकेट मैदानमे आइ टस हाइर क ब्याटिङ कएने युएई निर्धारित २० ओभरमे सात विकेट क्षतिमे ११४ रन बनेलक । एक सओ १५ रनके विजय लक्ष्य नेपाल १९ दशमलव ३ ओभरमे पाँच विकेट क्षतिमे पूरा केलक । नेपालक कप्तान इन्दु बर्मे अविजित ३० रन, रुविना क्षेत्री २३, स्मरण खड्का २१, पुजा महतो १३, राजमती ऐरी आठ तथा रुवि पोदार अविजित ६ रन बनेलक ।
बलिङदिस युएईके लेल मिसेल बोथ, सुरक्षा कोटे, वैष्णभी महेश आ कप्तान इशा ओजा एक एक विकेट लेलक ।
अइसँ पहिने युएईक लेल ११४ रन बनेबाक क्रममे कप्तान इशा ओजा सर्वाधिक ३९, तीर्थ सतिश २१, हिना होटचन्दनी २० आ लाभन्या केनी १२ रन बनेलक ।
बलिङदिस नेपालके लेल मनिषा उपाध्याय चाइर, कविता कुँवर दू तथा राजमती ऐरी एक विकेट लेलक । अइसँ पहिने सुपर–३के पहिल खेलमे थाइल्यान्ड युएईकेँ ५४ रन हराबैत ग्लोलब छनाैटमे स्थान सुनिश्चित क चुकल अइछ । आब नेपाल सुपर–३के अन्तिम खेल मङ्गलदिन थाइल्यान्डसङे खेलाएत । रासस