बजेट मार्फत कर व्यवस्थामे कि कि बदलाब भेल?


काठमाण्डू, १५ जेठ: सरकारद्वारा अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क वार्षिक बजेटमार्फत विभिन्न शीर्षकमे कर दर तथा व्यवस्थासभमे व्यापक बदलाब कएल गेल अइछ।

उपप्रधानमन्त्री तथा अर्थमन्त्री विष्णुप्रसाद पौडेल संघीय संसदक संयुक्त बैसारमे बजेट भाषण दैत कहलैन जे विभिन्न शीर्षकक राजस्व दरमे संशोधन कएल गेल अइछ।

बजेट अनुसार, सूचना प्रविधिमे आधारित उद्योग आ होटल-रिसोर्टसभकेँ विशेष उद्योगक रूपमे माइन आयकर तथा विद्युत महशुल्कमे छुट देल जाएत। सूचना प्रविधि सेवा निर्यातसँ प्राप्त आम्दानीमे ७५ प्रतिशत कर छुट देल जाएत, आ नेपालमे बसी विदेशमे सूचना प्रविधि सेवा निर्यात केनिहार व्यक्तिके आम्दानीपर मात्र पाँच प्रतिशत आयकर लागी, जे अन्तिम मानल जाएत।

१० करोड़ टकाधैर वार्षिक कारोबार केनिहार स्टार्टअप व्यवसायकेँ पाँच वर्षधैर आयकरसँ छुट देबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ।

काठ सिजनिङ उद्योग लेल आवश्यक मिल मेशिनरी आयात करबापर मात्र एक प्रतिशत भन्सार महशुल्क लागत, अन्य सब कर महसुल हटाएल गेल अइछ। प्राङ्गारिक आ प्राकृतिक मल उत्पादन लेल मेशिनरी आयातपर सेहो सब कर महशुल्क हटाएल गेल अइछ।

फुटबल, क्रिकेट आ बहुउद्देश्यीय रंगशालाक निर्माण लेल आवश्यक यन्त्र सामग्रीपर मात्र एक प्रतिशत भन्सार महसुल ल अन्य कर हटाएल गेल।

ग्रीन हाइड्रोजन उत्पादन उद्योगक मेशिनरीपर सब कर महसुल हटाएल गेल अइछ, सङे पाँच वर्षक आयकर छुट देल जाएत। सौर्य आ वायु ऊर्जासँ विद्युत भंडारण करबाक यंत्रसभपर एक प्रतिशत भन्सार महसुल ल अन्य कर हटाएल गेल अइछ।

विद्युतीय सवारी साधनक चार्जिङ मेसिन उत्पादन आ एसेम्बलिङ उद्योग स्थापनार्थ यन्त्र आयातपर सेहो एक प्रतिशत भन्सार महसुल ल अन्य कर माफ, आ पाँच वर्षक आयकर छुट देल जाएत।

डिजिटल भुक्तानी प्रोत्साहन लेल समाशोधनगृहक सेवामे लागल मूल्य अभिवृद्धि कर हटाएल गेल अइछ। खाद्यान्न, गेडागुडी, फलफूल, वनस्पति, पशुजन्य तथा दूधजन्य वस्तुपर भन्सार विन्दुपर लागैत अग्रिम आयकर माफ कएल गेल अइछ।

श्रवणशक्ति कमजोर लोकक लेल श्रवणयंत्रपर लागैत मूल्य अभिवृद्धि कर हटाएल गेल अइछ। यात्रीद्वारा नेपाल प्रवेश करैत काल पाँच हजार अमेरिकी डलरधैर विदेशी मुद्रा वा ट्राभलर्स चेक आनैमे सहजता कएल जाएत।

एम्बुलेन्सके आयात कर छुट सुविधा अन्तर्गत १६ लाख टकाके मूल्य सीमा हटाएल गेल अइछ।

विद्युतीय सवारीपर लगनिहार कर यथावत राखल गेल अइछ, पर्यावरण प्रदूषण न्यूनीकरण आ विद्युत उपयोग प्रोत्साहन करत।

२० वर्षसँ पुरान या संचालनमे नै अबैबाला सवारी साधनके खाताकट्टी लेल अन्तिम दू वर्षके आयकर चुकेलापर बाकी कर माफ होएत।

सड़क, सिँचाइ आ जलविद्युत परियोजनामे सुरंग प्रविधि प्रोत्साहन लेल टनेल बोरिङ मेशिनपर एक प्रतिशत भन्सार शुल्क लागत। ढुवानी सेवा प्रदायकद्वारा अग्रिम कर कट्टी कएल राशि व्ययमे माइन कर गणनासभमे छुट देल जाएत।

विलम्बसँ कर दाखिला केनिहारकेँ ब्याज, दस्तुर, विलम्ब शुल्क आ जरिवानामे सहुलियत देल जाएत। हवाई सेवा प्रदायक आ टिकट कारोबार केनिहारपर बाकी कर बुझाएबमे ब्याज आ जरिवाना माफ होएत।

करदाताकेँ संशोधित कर निर्धारण अनुसार बाकी फर्छाैट करबाक मौका देल जाएत। मदिरा, वियर, सूर्ति आ चुरोट आयातपर भन्सार महशुल्क आ अन्तःशुल्क दर बढ़ाएल गेल अइछ। स्वास्थ्य जोखिम करके दायरा सेहो विस्तार कएल गेल अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको