
वीरगञ्ज (पर्सा), २६ जेठ : वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयद्वारा चालू आर्थिक वर्षक १० महिनाके अवधिमे सबसँ बेसी राजस्व पेट्रोलियम पदार्थक आयातसँ ६४ अरब ५० करोड़ टका संकलन कएल गेल अइछ।
कार्यालय अनुसार चालू आवक एहि अवधिमे पाँच प्रकारक पेट्रोलियम पदार्थ आयात लेल कुल एक खर्ब ५५ अरब ९४ करोड़ टका खर्च कएल गेल छै। कुल आयातसँ प्राप्त राजस्वमेसँ मुख्य २० वस्तुसभमे पेट्रोलियम पदार्थक योगदान ४६.२६ प्रतिशत अइछ। वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयक प्रमुख भन्सार प्रशासक दीपक लामिछाने कहलैन जे एत भन्सार राजस्वक मुख्य स्रोत पेट्रोलियम पदार्थ आ सवारीसाधनक आयातमे निर्भर छै।
दोसर प्रमुख राजस्व स्रोतक रूपमे यातायात साधन आ तकर पार्टपूर्जा आयातसँ १५ अरब २४ करोड़ टका राजस्व प्राप्त भेल अइछ। कुल राजस्वमे एहि श्रेणीक योगदान १०.९३ प्रतिशत छै।
लोहा आ लोहासँ बनल सामानक आयातसँ पाँच अरब २५ करोड़ टका, मेसिनरी आ पार्टपूर्जा आयातसँ चाइर अरब ५५ करोड़ टका, इलेक्ट्रिक मेसिनरी, उपकरण आ तकर पार्टपूर्जा आयातसँ तीन अरब ३७ करोड़ टका राजस्व संकलन कएल गेल अइछ।
एहि दश महिनामे सब प्रकारक कपड़ाक आयातसँ दू अरब ८७ करोड़ टका, सुर्ती आ सुर्तीजन्य पदार्थक आयातसँ दू अरब २३ करोड़ टका, आ श्रृंगारक सामानक आयातसँ दू अरब २२ करोड़ टका राजस्व संकलन कएल गेल अइछ। रासस