
जनकपुरधाम, १ अखार – मधेश प्रदेश सरकार आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क लेल कुल ४६ अर्ब ५८ करोड ३३ लाख ५१ हजार टकाक बजेट सार्वजनिक केलक अछि। एहि बजटमे प्रदेशक आन्तरिक स्रोत, संघीय सरकारसँ प्राप्त अनुदान आ विभिन्न माध्यमसँ जुटायल राशि समावेश कएल गेल अइछ।
खर्चक बाँटफाँट :
बजटक ३५.८९ प्रतिशत (१६ अर्ब ७२ करोड ५ लाख) चालू खर्चक लागि आर ६४.११ प्रतिशत (३० अर्ब २६ करोड २८ लाख) पुँजीगत खर्चक लागि छुट्याओल गेल अछि। चालू आर्थिक वर्षक तुलनामे ई बजट ६.१३ प्रतिशत बेसी अइछ।
स्रोत व्यवस्थापन :
-
आन्तरिक राजस्व – ९ अर्ब ५० करोड ८३ लाख
-
वित्तीय समानीकरण अनुदान – ७ अर्ब ७२ करोड १९ लाख
-
सशर्त अनुदान – ४ अर्ब २६ करोड १८ लाख
-
विशेष अनुदान – ३९ करोड ४५ लाख
-
समपूरक अनुदान – ३५ करोड ८२ लाख
-
संघीय राजस्व बाँटफाँट – १२ अर्ब ३४ करोड ४५ लाख
-
गत वर्षक मौज्दात – १० अर्ब ३८ करोड २ लाख ५१ हजार
-
आन्तरिक ऋण – २ अर्ब
मंत्रालय अनुसार बजटक बाँटफाँट :
-
भौतिक पूर्वाधार विकास – १५ अर्ब ८८ करोड
-
स्वास्थ्य तथा जनसंख्या – ६ अर्ब ४५ करोड
-
ऊर्जा, सिंचाई आ खानेपानी – ४ अर्ब ४१ करोड
-
शिक्षा तथा संस्कृति – ३ अर्ब ५७ करोड
-
उद्योग, वाणिज्य आ पर्यटन – ३ अर्ब ८ करोड
-
कृषि आ पशुपालन – २ अर्ब ८३ करोड
-
वन तथा वातावरण – २ अर्ब ३७ करोड
-
खेलकुद आ सामाजिक कल्याण – १ अर्ब ६८ करोड
-
गृह, सञ्चार आ कानुन – ६४ करोड ८९ लाख
-
श्रम तथा यातायात – ५७ करोड १४ लाख
बजटक प्राथमिकता पूर्वाधार, स्वास्थ्य, शिक्षा, कृषि आर पर्यटन जेकाँ क्षेत्रसभमे देल गेल अछि। बजेटसँ विकास आ सेवा प्रवाहमे संतुलन कायम करबाक, वित्तीय अनुशासन बनाबबाक आर स्रोतसभक प्रभावकारी प्रयोग करबाक अपेक्षा सरकार कऽ रहल अइछ।