बङ्गलादेशसँ विद्युत् व्यापारसँ पाँच महिनामे एक अरब २५ करोड़ आम्दानी होएत: ऊर्जामन्त्री


काठमाण्डू, २ अखारः ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री दीपक खड्का बङ्गलादेश सङ होइत विद्युत् व्यापारसँ अगिला पाँच महिनामे नेपाल एक अरब २५ करोड़ टका आम्दानी करबाक बतौलैन अइछ।

ऊर्जा मन्त्रालयमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे मन्त्री खड्का कहलैन, “नेपालसँ बङ्गलादेश दैनिक ४० मेगावाट विद्युत् निर्यात होइत अइछ। मासिक २५ करोड़ टका आ पाँच महिनामे एक अरब २५ करोड़ टका बराबर आम्दनी होएत।”

नेपाल विद्युत् प्राधिकरण गेल राइत १२ बजेसँ भारतीय प्रसारण लाइनमार्फत बङ्गलादेशके ४० मेगावाट विद्युत् निर्यात करबाक शुरुआत कएलक अइछ। बितल वर्ष कातिक ३० गते प्राधिकरण ११ घण्टा ३० मिनेटधैर विद्युत् निर्यात कएने छल, आ एहि वर्ष फेरसँ निर्यात नियमित रूपमे सुरू भेल अइछ।

ऊर्जामन्त्री खड्का कहलैन जे वर्षायाममे नेपालमे उत्पादन भ रहल बेसी बिजुलीके भारत आ बङ्गलादेशमे निर्यात क देशक समृद्धिमे योगदान भेट रहल अइछ। नेपाल आब विद्युत् आयात नै, निर्यात कर लागल मन्त्री खड्का कहलैन।

ओ कहलैन जे सरकार आन्तरिक खपतके सुरक्षित आ टिकाउ बनेबाक दिशामे प्रयत्नशील अइछ आ छोट आयोजनासँ ल क बूढीगण्डकी आ अपर अरुण जकाँ पैघ आयोजना सभके प्रोत्साहन द रहल अइछ। विद्युत् व्यापार देशक समृद्धिके आधार मजबुत बनेबामे सहायक होइत अइछ, ओ कहलैन।

मन्त्री खड्का गरीब आ विपन्न वर्गक नागरिकके जलविद्युत् क्षेत्रमार्फत सम्पन्न बनेबाक उद्देश्यसँ दू लाखसँ पाँच लाख टकाधैर बिना बनकी शेयर देबाक योजना सरकार ल रहल अइछ।

नेपाल हरेक वर्ष वर्षात्‌क पाँच महिना भारतके बिजुली बेचैत छै, आ आब बङ्गलादेश सेहो निर्यात होइत छै। बङ्गलादेश निर्यात भ रहल ई विद्युत् नोभेम्बर १५धैर चलत, आ कुल १४ करोड़ ६८ लाख ८० हजार युनिट विद्युत् निर्यात होएत।

ई विद्युत् नेपालके ४०० केभी ढल्केबर सबस्टेसनसँ भारतके मुजफ्फरपुर आ बेहरामपुर होते बङ्गलादेशक भेरमारा सबस्टेसनधैर पहुँचत।

नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक कार्यकारी निर्देशक हितेन्द्रदेव शाक्य कहलैन, “नेपाल आब ऊर्जा व्यापारक युगमे प्रवेश कएने अइछ। भारत आ बङ्गलादेशमे बिजली बेचिके आब अरबौं आम्दानी होएत।”

शाक्य कहलैन, “एखन लोडसेडिङ नै अइछ, नै होएत। उत्पादित बिजुली बेसी भ गेल अइछ आ ट्रिपिङ जकाँ समस्या धीरे-धीरे समाधान होइत अइछ।”

तँए, नेपाल जून १सँ हरियाणा राज्यमे १८५ मेगावाट विद्युत् निर्यात करैत छल, जे रैवदिन (जून १५)सँ बढ़ा क २०० मेगावाट कएल गेल अइछ। ओहि दिनसँ बिहार राज्यमे सेहो ८० मेगावाट विद्युत् निर्यात सुरू कएल गेल अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको