घर-घर घुइम क उच्च रक्तचाप आ मधुमेह परीक्षण


सिरहा, २ अखारः लहान नगरपालिकाद्वारा नगरवासीसभक घरघरमे स्वास्थ्यकर्मी पठा क उच्च रक्तचाप आ मधुमेह रोगीक निःशुल्क परीक्षण शिविर प्रारम्भ कएल गेल अइछ । ‘स्वास्थ्यकर्मी, नगरवासीक घर अंगनामे’ से नारासहित रैवदिन वाड नं १२ पडरिया टोलसँ ओइ शिविरक शुरुआत कएल गेल अइछ ।

नगरप्रमुख महेश प्रसाद चौधरी कहलैन, “समयपर रोग पहिचान भेलासँ इलाज सहज होइत छै । गाम-गाममे नुकाएल लोक बीमार रहैत छैथ । हुनका पहिचान क उचित इलाज सुनिश्चित करबाक लेल ई कार्यक्रम सुरू कएल गेल अइछ ।” ओ कहलैन जे परीक्षण क आवश्यक भएत तँ स्वास्थ्य संस्थाधैर रिफर सेहो कएल जाएत । नियमित दवाइ ल रहल रोगीक लेल शिविर मार्फत दवाइ वितरणक व्यवस्था सेहो राखल गेल अइछ ।

लहान नगरपालिकामे १२ टा स्वास्थ्य चौकी आ चाइर टा आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र अइछ । एक हप्ताधैर घर-घर जा क स्क्रिनिङ्ग कार्यमे सब स्वास्थ्यकर्मीके लगाएल गेल नगरपालिकाक स्वास्थ्य शाखा प्रमुख विन्देश्वर चौधरी जानकारी देलक अइछ । नगरपालिकाद्वारा बितल वर्ष सेहो एहेन कार्यक्रम संचालित कएल गेल छल जत चाइर हजारसँ बेसी स्थानीयसभ अपन स्वास्थ्य परीक्षण करौलैन।

ताजा खबर
धेरै पढिएको