सिरहामे पाँच वर्षबाद खानेपानी आयोजना सम्पन्न


सिरहा, ४ अखार : धनगढीमाई नगरपालिका–१३ स्थित डावर आ नैनपुरटोलमे खानेपानी आयोजना सम्पन्न भेल अइछ ।

सङ्घीय खानेपानी तथा ढल व्यवस्थापन आयोजना, जनकपुरमार्फत १० करोड़ ९४ लाख टकाके लागतमे पाँच वर्षक बाद निर्माण सम्पन्न भेल आयोजनासँ वाड नं ११, १२ आ १३ के एक हजारसँ बेसी परिवार लाभान्वित भेल अइछ । परीक्षणक रूपमे उपभोक्ताकेँ पाइन वितरण कएल गेल डावरटोल नैनपुरटोल खानेपानी तथा सरसफाइ उपभोक्ता समितिक अध्यक्ष सर्वण ठकुरी जानकारी देलैन अइछ ।

खानेपानी तथा सरसफाइमन्त्री प्रदीप यादव इएह अखार ५ गते आयोजनाक औपचारिक उद्घाटन कार्यक्रम रहल ओ बतौलैन । आयोजना उद्घाटनके तैयारीमे लागल ओ बतौलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको