सिरहा, १० चैत । सिरहाक औरहीमें महायज्ञके नाम पर डोम परिवार उपर भेल जातीय भेदभावक घटनाक मामिलामें गिरफ्तार भेल गाउँपालिका अध्यक्ष आ अन्य जनप्रतिनिधि सभके अनुसंधान लेल पाँच दिनक मियाद थप कएल गेल अइछ ।
रैब दिन सिरहा जिला अदालतमें पेश कएल गेल पालिकाक अध्यक्ष आ वार्ड अध्यक्ष दिलीप यादवकें अनुसंधानक लेल मियाद थप कएल गेल अइछ । हुनका सभकेँ जातीय भेदभाव आ छुआछूत सम्बन्धी अपराधमें जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाक टोली शुक्र दिन गिरफ्तार केने छल ।
औरही गाउँपालिका वार्ड नम्बर ५ में चैत १७ गते सँ महायज्ञ होयबाक तिथि तय भेल छल । ताहि क्रममें बितल फागुन १० गते डोम परिवार के ’अछूत’ कैहकए महायज्ञ स्थल पर आयोजन होयवाक जगहसँ विस्थापित क’ देल गेल छल । ओइ ठाम बरिसौंसँ बसोबास करैत आइब रहल डोम परिवार के घर डोजर चला क’ तोइड़ देल गेल छल । ओइ ठामक माइट ’अपवित्र’ कैहके काइटके’ हटाओल गेल छल ।
पीडित दीपक मल्लिक जातीय भेदभाव आ छुआछूत सम्बन्धी अपराधमें जिला प्रहरी कार्यालय सिरहामें उजुरी देने छल । उजुरीमें कहल गेल अइछ जे जातीय छुआछूत करबाक, घर तोड़–फोड़ क’ विस्थापित करबाक अपराधमें दोषी सभ पर कानून अनुसार कारवाइ होबाक चाही आ पीडितके क्षतिपूर्ति भेटबाक चाही ।
एहिस’ पहिने गृह मंत्रालय सिरहाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी बासुदेव दाहालके फिर्ता बजौने छल । एहि घटनाक विषयमें प्रतिनिधि सभा आ मधेश प्रदेश सभामे सेहो दोषी पर कारवाइके माँग उठाओल गेल अइछ ।
घटनामे फरार बजरंगी बाबाके खोजी भ’ रहल जिला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अइछ ।






