जनकपुरमे कानून व्यवसायीद्वारा पत्रकारपर आक्रमण


धनुषा, २७ साओन: जनकपुरधाममे कानून व्यवसायी पत्रकारपर आक्रमण कएने छैथ। गुठी संस्थानद्वारा नेपाल पत्रकार महासङ्घ मधेश प्रदेशकेँ उपलब्ध कराएल गेल जमीनके सम्बन्धमे नेपाल बार एसोसिएसन जनकपुरसँ विवाद होइत काल पत्रकारपर कानून व्यवसायीके समूह आक्रमण कएने अइछ।

महासङ्घ संस्थानसँ भाडापर लेल गेल जमीन कब्जा करैत कानून व्यवसायीसभ हमरासभके माइरपिट केलक, महासङ्घ मधेश प्रदेशक महासचिव शैलेन्द्र महतो जानकारी देलैन।
आक्रमणमे पइड़ महासङ्घक प्रदेश अध्यक्ष श्यामप्रसाद बन्जारा, महासचिव महतो, पत्रकार दिवाकर राय सहित छ गोटसँ बेसी पत्रकार घायल भेल छैथ। घायलसभक प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे इलाज भ रहल अइछ।

महासचिव महतोक टाङमे चोट लागल अइछ। अध्यक्ष बन्जाराक शरीरक विभिन्न ठाममे चोट लागल तथा दिवाकरक माथमे चोट लागल अइछ।

जनकपुरधामस्थित भूतनाथ महादेवकेँ दक्षिणदिस पत्रकार महासङ्घ चाइर कट्ठा जमीन भाडामे लेने अइछ। नेपाल बार एसोसिएसन जनकपुरधाम साओन २० गते सूचना जारी करैत २१ गतेसँ ओइ जमीनमे कानून व्यवसायीकेँ गाड़ी पार्किङ करबाक लेल आह्वान कएने छल।

महासङ्घक जमीन बारद्वारा बलजफ्ती कब्जा केलाक बाद विवाद सुरू भेल अइछ। प्रदेश अध्यक्ष बनजारा कहलैन जे गुठीसँ विधिवत् रूपसँ सम्पूर्ण प्रक्रिया पूरा क वार्षिक तीन लाख एक हजार १०० टका भाडा देबाक शर्तपर चाइर कट्ठा जमीनक सम्झौता भेल अइछ। ओ कहलैन जे गुठीकसँ २० वर्षक लेल जमीनक सम्झौता भेल अइछ।

अध्यक्ष बन्जारा बारसङ वार्ता सेहो भेल उल्लेख करैत कहलैन, “बारसँ हमर मौखिक सम्झौता सेहो भेल छलै। हमर जमीनक पाछा सेहो जमीन छै, ई जमीन प्रयोग करू, बाटमे समस्या होएत तँ खोइल देब, ई मौखिक सम्झौता भेल छलै, मुदा आइ एकेबेर ओसभ आक्रमणपर उतैर गेल।”

अध्यक्ष बनजारा अइ विषयमे जिला अदालतमे रिट पड़ल आ भादव ५ गते दुनू पक्षकेँ बातचितक लेल बजाएल गेल अइछ, तेँ ओहीसँ निष्कर्ष निकलबाक विश्वास व्यक्त केलैन।

महासङ्घक महासचिव महतो कहलैन जे साओन १९ गते महासङ्घक गुठी संस्थानसङे चाइर कट्ठा जमीनक सम्झौता भेल छल। ओ कहलैन जे जेठ ७ गते गोरखापत्रमे तीन टा जमीनक लेल सूचना प्रकाशित भेल छल, जाहिमे विभिन्न सङ्घ संस्था प्रस्ताव पेश कएने छल, जाहिमे प्राविधिक, आर्थिक प्रस्ताव पेश कएलाक बाद महासङ्घक प्रस्ताव पारित भेल छल।

“अइ विषयमे साओन २ गते गोरखापत्रमे सूचना प्रकाशन कएल गेल अइछ। गुठी साओन ९ गते हमर प्रस्ताव स्वीकृत भेलाक जानकारी देलाक बाद अइ साओन १९ गते सम्झौता भेल अइछ”, महासचिव महतो कहलैन, “न्यायक लेल वकालत करैबला कानून व्यवसायी अइ तरहेँ आक्रमण करब निन्दनीय अइछ। हमरासभ खेद प्रकट करैत छी।” रासस
—–

ताजा खबर
धेरै पढिएको