शिक्षामन्त्री पुनसमक्ष विद्यालय कर्मचारीद्वारा ध्यानाकर्षण


काठमाण्डू, ९ आसिनः शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री महावीर पुनसमक्ष नेपाल विद्यालय कर्मचारी परिषद् सामुदायिक विद्यालय कर्मचारीकेँ दरबन्दीमे राखबाकसहितक माँग प्रस्तुत केलक अइछ ।

विद्यालय कर्मचारीके लम्बा समयसँ सम्बोधन नै भेल समस्या आ विगतमे सरकारसँ कएल गेल सहमतिके आधारमे उचित सम्बोधनक लेल शिक्षामन्त्री पुनकेँ आइ केशरमहलस्थित मन्त्रालयमे भेट क परिषद् आग्रह कएने अइछ ।

परिषद्क केन्द्रीय अध्यक्ष गङ्गाराम तिवारी शिक्षामन्त्री पुन हमरासभकेँ विद्यालय कर्मचारीक समस्याबारे जानकारी रहल आ पावैन तिहारके बाद बैस क समस्या सम्बोधन कएल जेबाक से आवश्वासन देने जानकारी देलैन । मन्त्री पुन वर्तमान सरकार निर्वाचन करेबाक मुख्य दायित्वके सङ अएलाक कारण बेसी अपेक्षा नै करबाक लेल आग्रह कएने तिवारी बतौलैन ।

सर्वाेच्च अदालतके २०६७ माघ २३ के आदेशमे कर्मचारीके सेवा, शर्त, सुविधा उल्लेख करैत सर्भिस ल बना क कार्यावंयन करबाक उल्लेख कएल गेलाक बादो हाल विद्यालयके लेखापाल मासिक १५ हजार टका आ कार्यालय सहायक १० हजार टका प्राप्त करैत आएल अइछ । सङ्घीय संसद्मा विचारधीन रहल विद्यालय शिक्षा विधेकमे विद्यालय कर्मचारीलगायतक समस्या सम्बोधनक पहल कएल गेलाक बादो प्रतिनिधि सभाके विघटन भेलासँ अखन कानुन बनबाक स्थिति नै अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको