मधेशक जनजीवन प्रभावित


अजय कुमार साह/रासस
धनुषा, १९ आसिनः निरन्तरके वर्षाके कारण धनुषासहित मधेश प्रदेशके आठाे जिलाक जनजीवन प्रभावित भेल अइछ ।

मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधाम निरन्तरके वर्षाक कारण जलमग्न भेल अइछ । वर्षाके कारण जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके अधिकांश बस्ती, बजार आ सरकारी कार्यालय परिसर डुबानमे पड़ल अइछ । नगर प्रमुख मनोज साह कहलैन, “पाइनक उचित निकास नै भेलासँ सहरके प्रमुख सड़कसँ ल क आवासीय क्षेत्रसभमे डुबान भेल अइछ, घरभीतर पाइन जमलाके बाद स्थानीय चिन्तामे अइछ ।”

पाइनक निकासके लेल नगर प्रहरीसहित पालिकासँ होएबला सब प्रयास भ रहल ओ बतौलैन । नगर प्रमुख साहके कहब अनुसार विशेष क जनकपुरधामक रामानन्द चाैक, जानकी मन्दिर लगपास, राजदेवी मन्दिर रोड़, तरकारी बजार, अस्पताल क्षेत्रलगायत स्थानमे पाइनक स्तर बढ़ल अइछ । मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय, जिला प्रशासन कार्यालय, जिला प्रहरी कार्यालय, आन्तरिक राजस्व कार्यालय, हुलाक कार्यालय, राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)के कर्यालय लगायतक सरकारी भवन परिसरमे पाइन जमल अइछ ।

मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह प्रदेशक विभिन्न नदीमे जलस्तर बढ़ल कहैत प्रहरी आ सशस्त्र बलकेँ पूर्ण तैयारी अवस्थामे रहबाक लेल निर्देशन देलैन अइछ । मधेश प्रदेश प्रहरी प्रमुखसँ सम्पर्क क खतरापूर्ण क्षेत्रक नागरिकके तत्काल सुरक्षित स्थानमे राखबाक लेल सेहो मुख्यमन्त्री सिंह निर्देशन देलैन अइछ ।

मुख्यमन्त्री सिंह कहलैन, “कुलेखानी जलविद्युत् केन्द्रक बाँधके फाटक खोलल गेल अइछ, जइ कारण बागमती नदीमे पाइन स्तर आओर बढ़बाक अनुमान अइछ । तइ रौतहट आ सर्लाहीके तटीय क्षेत्रमे सतर्क रहबाक अत्यावश्यक अइछ ।”

मधेश प्रदेशक प्रहरी प्रमुख प्रहरी नायब महानिरीक्षक उमा प्रसाद चतुर्वेदीके अनुसार अखनधैर प्रदेशक कोनो जिलामे मानवीय क्षति नै भेल अइछ । “प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ नेपाली सेनाके टोली सतर्क अइछ, खतरापूर्ण क्षेत्रक बासिन्दाकेँ सचेत कराएल गेल छैँ”, ओ कहलैन ।

जिला प्रशासन कार्यालयद्वारा धनुषा नदी लगपासक नागरिककेँ सतर्क रहबाक लेल आग्रह कएल गेल अइछ ।

कमला, जलाद, औरही, दूधमती, हर्दिनाथलगायतक नदीमे शैनदिन दुपहरसँ पाइनक स्तर बढ़ल अइछ । जइ कारण नदी कातमे रहल स्थानीयकेँ सतर्कता अपनेबाक लेल जिला प्रशासन कार्यालय आग्रह कएने अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको