नेपाल सरकार आ जर्मन सरकार बीच महत्त्वपूर्ण सम्झौता


काठमाण्डू, २२ आसिनः नेपाल सरकार आ जर्मनी बीच वित्तीय सहयोग आ प्राविधिक सहयोग सम्बन्धी दूटा महत्त्वपूर्ण सम्झौता पत्रमे आइ हस्ताक्षर भेल अइछ ।

अर्थ मन्त्रालयमे भेल सम्झौतामे नेपाल सरकारक दिससँ मन्त्रालयके सहसचिव धनिराम शर्मा आ जर्मन सरकारक दिससँ काठमाण्डूस्थित नेपालक लेल जर्मनीके राजदूत उडो भोल्ज हस्ताक्षर केलैन । अइ सम्झौतासँ नेपालक ऊर्जा, स्वास्थ्य, कृषि, शासन तथा समावेशी विकासमे सहयोग करबाक लक्ष्य राखल गेल मन्त्रालय जनौने अइछ ।

वित्तीय सहयोग सम्झौताअन्तर्गत जर्मन सरकार “पावर डिस्ट्रीब्युसन स्ट्रेन्थेनिङ कार्यक्रम” मे सहयोग स्वरूप २० मिलियन युरो धैरके प्रतिबद्धता जनौने अइछ ।

ई परियोजना नेपाल विद्युत् प्राधिकरणमार्फत कार्यावंयन कएल जाएत आ ओइ लेल नेपाल विद्युत् प्राधिकरण आ जर्मन विकास बैंक बीच कार्यावंयन सम्झौता सेहो होबाक उल्लेख कएल गेल अइछ । सम्झौताके कार्यावंयन पाँच वर्ष भीतर अर्थात् ५ सेप्टेम्बर २०२९ धैरमे सम्पन्न करबाक उल्लेख अइछ ।

उक्त परियोजनासँ स्वास्थ्य क्षेत्रमे, राष्ट्रिय लैङ्गिक समानता तथा सामाजिक समावेशी रणनीतिके लेल निरन्तर समर्थन करैत स्वास्थ्य प्रणालीमे गुणस्तरीय पूर्वाधारकेँ आओर नीक बनेबाक लेल सहयोग कएल जाएत ।

तहिना, कृषि तथा निजी क्षेत्रक विकास, समावेशी आ जलवायु–प्रतिकारशील आर्थिक विकासकेँ प्रवर्द्धन करबाक कार्यक्रममे सेहो सहयोग करत से परियोजनाके लक्ष्य अइछ ।

कार्यक्रममे अर्थ मन्त्रालयके सहसचिव शर्मा जर्मनीके सहयोगप्रति आभार व्यक्त केलैन । नेपालक लेल जर्मन सङ्घीय गणतन्त्रक राजदूत भोल्ज नबका प्रतिबद्धतासँ ऊर्जा, दीर्घकालिन आर्थिक विकास आ स्वास्थ्य क्षेत्रमे नेपाल आ नेपाली जनता सङक सहकार्यकेँ आओर मजबुत बनौने उल्लेख केलैन । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको