शान्ति सुरक्षाके ध्यानमे राइख निर्वाचन करेबाक लेल सरकार प्रयासरत छैः प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, २१ कातिकः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की शान्ति सुरक्षाके ध्यानमे राइख निर्वाचन करेबाक लेल सरकार प्रयासरत रहल बतौलैन अइछ ।

द एसियन नेटवर्क फर फ्रि इलेक्सन्स (आन्फ्रेल) के प्रतिनिधिमण्डलसँ वृहस्पैतदिन भेटघाट करैत प्रधानमन्त्री कार्की शान्तिपूर्ण आ बिना डरक वातावरणमे स्वच्छ आ निष्पक्ष चुनाव करेबाक लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन । आन्फ्रेल थाइल्याण्डके बैंककमे सचिवालय भेल अन्तर्राष्ट्रिय पर्यवेक्षकसभक संजाल अइछ ।

सचिवालयके कार्यकारी निर्देशक ब्रिजा रोसालेसक नेतृत्वके टोली अखन नेपालक निर्वाचनक वातावरणके मूल्याङ्कन करबाक लेल काठमाण्डू आएल अइछ ।

लम्बा समयधैर न्यायाधीश आ प्रधानन्यायाधीशके रुपमे काज कएने व्यक्तिके नेतृत्वमे ई सरकार भेलासँ स्वतन्त्र आ निष्पक्ष निर्वाचन सम्पन्न कराओत तइमे हमसभ विश्वस्त छी से प्रतिनिधिमण्डलके सदस्यसभ बतौलैन ।

“अहाँक लम्बा समयके न्यायिक अनुभवसँ स्वतन्त्र आ निष्पक्ष निर्वाचनमार्फत राजनीतिक पुनःसंरचना संभव होबाक आ अइसँ लोकतान्त्रिक संस्थाकेँ जोगाओत”, प्रतिनिधिमण्डलक सदस्यसभक कहब छलैन ।

प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “हमरासभक प्रमुख उद्देश्य चुनाव करेबाक अइछ । अइमे हमसभ केन्द्रित छी । स्वस्थ निर्वाचनक माहोल बनेबा लेल नागरिक समाज आ पर्यवेक्षकके सेहो भूमिका रहत । अहासभक उपस्थितिसँ निर्वाचन सुरु भ गेल अनुभूति करौने अइछ ।”

अइ बेरक निर्वाचनमे पहिल बेर मतदान केनिहार युवा मतदातामे बेसी उत्साह भेलासँ मतदाता शिक्षामे विशेष जोड़ देबाक लेल ओसभ सुझाव सेहो देलैन । सरकार अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल निर्वाचन सम्पन्न करेबाक तैयारीमे जुटल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको