काठमाण्डू, २७ कातिकः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की अइगला प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचनक तैयारीके सम्बन्धमे निर्वाचन आयोगक पदाधिकारीसभसँ बातचित केलैन अइछ ।
बुधदिन प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय, सिंहदरबारमे भेल बैसारमे आयोगके कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त राम प्रसाद भण्डारी, आयुक्तद्वय डा. जानकी कुमारी तुलाधर, सगुन शमशेर राणा आ अन्य अधिकारीसभ सङे प्रधानमन्त्री कार्की बातचित केलैन ।
आयोग निर्वाचन तैयारीअन्तर्गतके ६० प्रतिशतसँ बेसी काज सम्पन्न भेल आ अखनधैरके मूल्याङ्कन अनुसार अइगला फागुन २१ गते निर्वाचन सम्पन्न क सकबाक विश्वास अइछ से जानकारी करौने छल ।
आयोगमे नयाँ दल दर्ता आ मतदाता नामावलीमे समावेश होबाक क्रम सेहो उत्साहजनक भेल बतबैत कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी निर्धारण कएल गेल समयमे निर्वाचन कराैनाइ संभव भेल आ आयोग अइ लेल सक्षम भेलासँ अपन अनलाइन प्रणालीमे मतदाता नामावली दर्ताके व्यवस्थापन करबाक लेल भोर ७ बजेसँ साँझ ७ बजेधैर दू चरणमे काज करए लागल, जनशक्ति बढ़ाएल गेल आ प्राविधिक समस्याके सेहो तत्काल समाधानक व्यवस्था मिलाएल गेल जानकारी देलैन ।
तहिना, राष्ट्रिय पञ्जीकरण विभागक महानिर्देशक नमराज घिमिरे राष्ट्रिय परिचयपत्र वितरणके लेल सङ्कलन कएल गेल जैविक तथ्याङ्क निर्वाचन आयोगकेँ उपलब्ध करेबाक लेल तैयार रहल बतौलैन ।
आयोग आइसँ राष्ट्रिय परिचयपत्रके विवरणक आधारपर सेहो मतदाता नामावलीमे नाम दर्ता करबाक प्रक्रिया सुरु करए लागल अइछ ।
निर्वाचनक लेल अखनधैर २२ टा राष्ट्रिय आ दूटा अन्तर्राष्ट्रिय पर्यवेक्षक संस्थासभद्वारा निर्वाचन पर्यवेक्षणक लेल आवेदन देल गेल अइछ । तहिना, निर्वाचन आचारसंहिताके मस्यौदा सुझावक लेल सब दलकेँ पठाओल गेल आ आब निर्वाचन कार्यक्रम प्रकाशन करबाक तैयारीमे रहल आयोग जनौने अइछ ।
निर्वाचनमे उमेदवारक खर्चके सीमा घटाबए आ मतदाताके सहजताक लेल अन्तरजिला मतदानक व्यवस्था केनाइ कतेक संभव अइछ तइ विषयमे प्रधानमन्त्री कार्की जिज्ञासा राखने छलैन । (रासस)






