रामकलेवा विधिसहित विवाह पञ्चमी महामहोत्सव सम्पन्न


जनकपुर । विवाह पञ्चमी महामहोत्सवके सातम तथा अन्तिम दिन जनकपुरधाममे रामकलेवा विधि सम्पन्न भेल अइछ । सप्ताहव्यापी विवाह पञ्चमी महामहोत्सवमे भगवान् श्रीराम तथा माता सीताक बीचमे शुभविवाह सम्पन्न भेल काइल्ह भ क भारतसँ आएल बरियातीमे सहभागी व्यक्तिसभकेँ रामकलेवास्वरुप भोजन करेबाक परम्परा अइछ ।

जनकपुरधामक जानकी मन्दिरके प्राङ्गणमे सम्पन्न भेल रामकलेवामे भारत तथा नेपालक विभिन्न स्थानसँ आएल साधुसन्त, महन्थ, योगी तथा सन्यासीसहितक बरियातीके सहभागिता छलैन ।

रामकलेवामे ५६ प्रकारक व्यञ्जन तैयार क भगवान् श्रीरामसहित चारो दुलहा तथा बरियातीसभकेँ भोजन करेबाक परम्परा अइछ । जनकपुरधाममे अगहन ४ गते नगर दर्शनसँ सुरु भेल श्री सीताराम विवाह पञ्चमी महोत्सवक अन्तिम दिन (बुधदिन) रामकलेवासहित सम्पन्न भेल अइछ ।

रामकलेवा विधि देखबाक लेल पैघ सङ्ख्यामे श्रद्धालु भक्तजनसभ जानकी मन्दिर परिसरमे सहभागी छलैन । रामकलेवामे मिथिलानीसभ विभिन्न प्रकारक गीत, सङ्गीत तथा नृत्य प्रदर्शन कएने छलैन । रामकलेवा विधिके समवंय जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास कएने छलैन ।

रामकलेवामे नेपाल सरकारक पूर्वउपप्रधानमन्त्री एवं नेपाली कांग्रेसक नेता विमलेन्द्र निधि सेहो सहभागी भ बरियातीकेँ स्वागत सत्कार केलैन । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको