नवनियुक्त मन्त्रीद्वय गुरुङ आ पुनद्वारा सपथ ग्रहण


काठमाण्डू, २६ जेठ : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलसमक्ष नवनियुक्त गृहमन्त्री सुधन गुरुङ आ विज्ञान, प्रविधि तथा नवप्रवर्तनमन्त्री महावीर पुन पद तथा गोपनियताके शपथ लेल गेल अइछ ।

प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आइए मन्त्रिपरिषद विस्तार क गुरुङकेँ गृह आ पुनकेँ नवप्रवर्तन मन्त्री नियुक्त कएने छल । गृहमन्त्री गुरुङ गोरखा १सँ राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके सांसद छैथ तँ नवपवर्तन मन्त्री पुन म्याग्दीसँ निर्वाचित स्वतन्त्र सांसद छैथ ।

समारोहमे उपराष्ट्रपति रामसहायप्रसाद यादव, प्रधानमन्त्री शाह, प्रधानन्यायाधीश डा मनोज कुमार शर्मा, सभामुख डोलप्रसाद अर्याल, राष्ट्रिय सभा अध्यक्ष नारायणप्रसाद दाहाल, मन्त्रीसभ, विभिन्न राजनीतिक दलक प्रमुख आ प्रतिनिधि, सांसदसभ, संवैधानिक निकायक प्रमुखसहित उपस्थित छलैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय