सम्पादक श्रेष्ठकेँ रिहा करए लेल पत्रकार महासंघक माँग


काठमाण्डू, २८ साओन: नेपाल पत्रकार महासंघ वरिष्ठ पत्रकार एवम् ‘जनआस्था’ साप्ताहिकके प्रधान सम्पादक किशोर श्रेष्ठकेँ तत्काल रिहा करए लेल माँग कएने अइछ।

प्रेस काउन्सिल नेपालक पूर्वकार्यवाहक अध्यक्ष श्रेष्ठकेँ काठमाण्डू प्रहरी परिसरक समूह ललितपुरक कुसुन्तीस्थित निवाससँ गिरफ्तार कएने घटनाक विरोध करैत महासंघ अविलम्ब रिहा करबाक माँग कएने अइछ।

महासंघके महासचिव रामप्रसाद दाहालद्वारा आइ जारी विज्ञप्तिमे ‘प्रेस तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता, पत्रकार आचारसंहिता आ संविधान विरुद्ध गिरफ्तार कएल गेल’मे आपत्ति व्यक्त करैत रिहाइक माँग कएल गेल अइछ।

सम्पादक श्रेष्ठके रिहाइके माँग करैत महासंघक आह्वानमे भद्रकालीस्थित जिला प्रहरी परिसर, काठमाण्डूक कार्यालय आगाँ पत्रकारसभ आइ भोरसँ धर्ना देने छैथ। पत्रकार महासंघ सहित आमसञ्चार सम्बद्ध विभिन्न संघ, संस्थाक दिससँ सेहो पत्रकार श्रेष्ठकेँ गिरफ्तार कएलाक विरोध करैत रिहाइके आग्रह कएल गेल अइछ।

इएह बीच नेपाल प्रहरी वैयक्तिक गोपनीयता सम्बन्धी उजुरीक आधारमे अदालतसँ अनुमति लय क पत्रकार श्रेष्ठकेँ गिरफ्तार कएल गेल स्पष्ट कएने अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय