चित्रपुरमे आम महोत्त्सव


महेन्द्रनगर (धनुषा), २६ जेठः धनुषाके बटेश्वर गाउँपालिका–१ चित्रपुरमे आगामी अखारक पहिल हप्ता आम महोत्त्सव हुअ लागल अइछ ।

स्थानीय उत्पादनके प्रवर्द्धन, कृषकके आयआर्जन वृद्धि तथा कृषि पर्यटनके विकास करबाक उद्देश्यसहित तीन दिनक आम मेला महोत्त्सव होबाक बताओल गेल अइछ ।

चित्रपुर म्याङ्गो एग्रो टुरिज्म बोर्डके आयोजनमे अगिला अखार ५ गतेसँ ७ गतेधैर हुअबला महोत्त्सवमे विभिन्न स्थानीय प्रजातिक आम तथा आमसँ तैयार कएल गेल विभिन्न परिकार राखल जाएत ।

महोत्त्सवके अवसरमे आगन्तुक तथा पर्यटककेँ आमक बागवानी अवलोकन करेबाक, विभिन्न प्रजातिक आमके बारेमे जानकारी देबाक, गाछसँ आम तोड़बाक अनुभव दिएबाक तथा आमसँ बनैबला परिकारक बारेमे जानकारी कराओल जाएत ।

तहिना, इच्छुक आगन्तुकसभ पैसा द क बागवानीसँ ताजा आम खरिद क सकत ।

आयोजकके प्रतिनिधि दीपेन्द्र सिंहके कहब अनुसार महोत्त्सवमार्फत चित्रपुरकेँ आम उत्पादन केन्द्रके रूपमे स्थापित करेबाक, स्थानीय कृषककेँ बजारसँ जोड़बाक तथा कृषि पर्यटनकेँ प्रोत्साहन करबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ ।

महोत्त्सवक तैयारीके बारेमे जानकारी दैत आयोजक समितिक सदस्य प्रदीप महतो स्थानीय कृषक उत्पादन कएने आम तथा आमसँ बनल विभिन्न परिकारकेँ प्रदर्शन क उपभोक्ता आ उत्पादक बीच प्रत्यक्ष सम्पर्क स्थापित करबाक बतौलैन ।

हुनक कहब अनुसार महोत्त्सवसँ चित्रपुर क्षेत्रमे कृषि सम्भावना आ स्थानीय उत्पादनकेँ राष्ट्रियस्तरमे परिचित करेबाक लेल सहयोग हएत । महोत्त्सवमे अचार, अमोट, आमिल, जुसलगायत आमसँ बनल अन्य परिकारके प्रदर्शनी कएल जाएत । बितल समय चित्रपुरके कृषकके मुख्य आम्दानीके स्रोत आमक खेती बनल अइछ ।

ओइ गाममे करिब ३ सओ बिघासँ बेसी क्षेत्रफलमे व्यावसायिक रूपमे आम खेती कएल गेल अइछ । ओइ ठामक अधिकांश कृषक लग अपने आमक बागवानी अइछ । अइ ठाम उत्पादन हुअबला आम धनुषासहित मधेश प्रदेशक विभिन्न जिलामे निर्यात कएल जाइत अइछ ।

पूर्व–पश्चिम राजमार्गअन्तर्गत मिथिला नगरपालिकाके ढल्केबर आ जमुनिबास क्षेत्रसँ करिब चाइर किलोमिटर दूरीमे रहल चित्रपुर मधेश प्रदेशक महत्त्वपूर्ण आम उत्पादन क्षेत्रक रूपमे परिचित अइछ । अइ ठामक हावा पाइन आ माइट आम खेतीके लेल अनुकूल भेलासँ प्रत्येक साल पैघ मात्रामे आम उत्पादन होइत अइछ ।

स्थानीय तह, कृषक तथा सरोकारवाला निकायके सहकार्यमे आयोजना हुअबला महोत्त्सवसँ ओइ क्षेत्रक आर्थिक गतिविधि बढ़ेबाक आ ग्रामीण पर्यटन प्रवर्द्धनमे सेहो सहयोग होबाक विश्वास व्यक्त कएल गेल अइछ । (रासस )

ताजा खबर
लोकप्रिय