काठमाण्डू, २९ चैतः राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण अनुसार एक सालके अवधिमे कुल सात हजार ६ सओ ४८ टा विपदके घटना भेल अइछ । जइमे सबसँ बेसी आइगलगीके घटना अइछ ।
कुल विपदके घटनामे सबसँ बेसी आइगलगीके घटना भेलाक कारण सावधानीके लेल सरकारी निकायके सक्रियता बढ़ेबाक आवश्यक अइछ ।
आइगलगी आ ओइसँ सम्बन्धित घटना न्यूनीकरण लेल विशेष सावधानी अपनेबाक आवश्यकता भेल प्राधिकरणके तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ ।
प्राधिकरण अनुसार बितल वैशाख १ गतेसँ इएह चैत २७ गतेधैरके अवधिमे देशभैर आइगलगीके तीन हजार ७ सओ २० टा आइगलगीके घटना भेल अइछ । आइगलगीमे एक सओ पाँच गोटेके मृत्यु भेल अइछ । तहिना, पाँच सओ ७१ गोटे घायल भेल अइछ, तँ चाइर हजार २ सओ ६० परिवार प्रभावित भेल अइछ ।
ओइ अवधिमे वन जंगलमे आइगलगीके तीन सओ २८ टा भेल अइछ । जइमे दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ तीन गोटे घायल भेल अइछ । तहिना, ५८ परिवार प्रभावित भेल अइछ ।
आइगलगीसँ बचबाक लेल विशेष सावधानी अपनेबाक, ज्वलनशील पदार्थ आइगलगी हुअबला स्थानसँ दुर राखए, विशेष सचेतना अभियान सञ्चालन करए, आइगलगी नै होए ओइ लेल अन्य उपाय सञ्चालन करबाक लेल प्राधिकरण सबकेँ अनुरोध केलक अइछ ।
प्राधिकरण अनुसार इएह चैत २७ गते भोरसँ २८ गते भोरधैर देशभैर कुल १९ विपदके घटना भेल अइछ, जइमे आइगलगीके घटना १६ टा अइछ । सुक्खा मौसममे आइगलगीके घटना बेसी होबाक कारण सक्रियतासँ सावधानी अपनेबाक लेल प्राधिकरण अनुरोध केलक अइछ । (रासस)





