सूचीकरण प्रणालीमे २५ लाख कृषक आबद्ध


काठमाण्डू, २७ जेठः कृषि, वन तथा पर्यावरण मन्त्रालयके कृषक सूचीकरण प्रणालीमे देशभैरके करिब २५ लाख कृषक आबद्ध भेल अइछ ।

कृषककेँ जग्गाके विवरण आ खेती उत्पादनक आधारमे सूचीकरण कएल गेल अइछ । उत्पादन वृद्धि करबाक लेल आवश्यक सहुलियत तथा सुविधा देबाक उद्देश्यसँ कृषककेँ विद्युतीय प्रणालीमार्फत सूचीकृत कएल गेल कृषि सूचना केन्द्रक अधिकृत सञ्जीव पण्डित जानकारी देलैन ।

कृषि जनगणना, २०७८ अनुसार ४१ लाख ३० हजारके सङ्ख्या भेलासँ बाँकी १६ लाखसँ बेसी कृषककेँ सेहो सूचीकृत करबाक काज भ रहल ओ बतौलैन ।

“सब कृषककेँ सूचीबद्ध कएलाक बाद निर्वाहमुखी कृषक, छोट कृषक, मध्यम कृषक आ पैघ कृषकसहित चाइर प्रकारमे मन्त्रालय वर्गीकरण करबाक योजना बनौने छै”, ओ कहलैन ,“वर्गीकरणके बाद परिचयपत्र वितरण, विद्युतीय सूचना प्रणालीमे जोड़बाकलगायत कार्यक्रम कएल जाएत । परिचयपत्रके आधारमे सरकारकेँ अनुदानसहित रासायनिक खाद, बीया, अनुदान, सेवा व्यवस्थापनलगायत सुविधासहित उपलब्ध करेबाक लेल आसान हएत ।”

देशभैर स्थानीय तहसँ समवंय क कृषकके सूचना तथा तथ्याङ्क सङ्कलन कएल गेल अइछ । अइ कार्यक्रममे अपन नाम दर्ता करेबाक लेल केन्द्र कृषकसँ आह्वान सेहो केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय