
सिरहा, ५ भादबः सिरहाके गोलबजार नगरपालिकामे ७० लाखके लागतमे डिप बोरिङ जड़ान कएल गेल अइछ ।
सुक्खाके कारण रोपनी करए नै सकल किसानके सहयोगक लेल गोलबजार नगरपालिका–२ निपनियामे डिप बोरिङ जड़ान कएल गेल छै । साथे १० हजार लिटर क्षमताके ट्याङ्की सेहो निर्माण कएल गेल अइछ ।
कमला सिँचाइ कार्यालयके अनुसार अइ बोरिङसँ ७० बिग्घामे सिँचाइ सेवा उपलब्ध हएत । बुधदिनसँ सुरु भेल बोरिङ सेवाके पूर्वमन्त्री लीलानाथ श्रेष्ठ उद्घाटन केलैन ।
ओइ अवसरमे गोलबजार नगरके प्रमुख श्यामकुमार श्रेष्ठ अनखधैर नगरमे ६ टा डिप बोरिङ खुनलगेल जानकारी देलैन ।