स्वास्थ्यकर्मीकेँ अत्यावश्यक बाहेकके छुट्टी नै देबाक निर्णय


वीरगञ्ज (पर्सा), ९ भादबः जिला स्वास्थ्य संकट व्यवस्थापन समिति महामारीके समयमे स्वास्थ्य जनशक्ति अभाव नै हेबाक लेल स्वास्थ्यकर्मीकेँ अत्यावश्यक बाहेकके अन्य छुट्टी स्वीकृत नै करबाक निर्णय केलक अइछ ।

निमित्त प्रमुख जिला अधिकारी सुमनकुमार कार्कीके अध्यक्षतामे रैबदिन बैसल बैसारसँ वीरगञ्जमे पेटझरी आ हैजाके सङ्क्रमण भेटलाक बाद स्थानीय तहके स्वास्थ्यकर्मीकेँ केन्द्रिकृत रुपमे निर्धारण कएल गेल स्वास्थ्य संस्थामे खटेबाक निर्णय कएल गेल छै ।

बैसारमे मधेश प्रदेश सरकारक स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री सत्रुधन प्रसाद सिंहके सेहो उपस्थिति छल ।

पेटझरी, हैजा रोकथामके लेल सब निकायसँ समवंयमे आवश्यक सामान व्यवस्थापन क क माइकिङ, घरद्वार कार्यक्रम एवं सचेतना जागरण तत्काल संचालन करबाक निर्णय कएल गेल निमित्त प्रजिअ कार्की बतौलैन ।

बैसारसँ सङ्घीय सरकार आ प्रदेश सरकारसँ प्राप्त जनशक्ति तथा स्रोत साधनके ‘पुल’ बना क जिला स्वास्थ्य संकट व्यवस्थापन समितिमार्फत वितरण, व्यवस्थापन एवं अनुगमन करबाक निर्णय कएल गेल छै ।

अखन पसइर रहल महामारीके ‘सोर्स अफ इन्फेक्सन आइडेन्टिफिकेसन’ के लेल महामारीके अनुसन्धान, सम्बन्धित स्थानीय तहके करबाक चाही आ ओइ लेल आवश्यक प्राविधिक सहयोग प्रदेश तथा सङ्घीय स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय करत सेहो ओ बतौलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको