जसपा नेपालक केंद्रीय सल्लाहकार टुटु बाबु नइँ रहल


राजविराज, ११ भादव। जनता समाजवादी पार्टी नेपालक केंद्रीय सल्लाहकार दिपक कुमार यादव (टुटु बाबु) ६८ वर्षक उमेरमे बुधदिन दुपहर निधन भेल अइछ ।

सप्तरीक महदेवा गाउँपालिका–३, बथनाहा निवासी यादव किछु महिनासँ कैंसर रोगसँ पीड़ित छल । चिकित्सकक निगरानीमे उपचार चलैत रहला अवस्था मे अपन घरमे निधन भेल ।

यादव महदेवा गाउँपालिकाक पूर्व अध्यक्ष सेहो रहल छल । अपन कार्यकालमे स्थानीय सडक, खानेपानी, विद्यालय आ स्वास्थ्य संस्थाक सुधारक दिशा मे विशेष प्राथमिकता देने छल । स‌गे महिला, दलित आ युवाक सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल विभिन्न कार्यक्रम चलौलक ।

जनता समाजवादी पार्टीक युवा नेता नवनित झा कहलनि जे दिपक यादव अपन जनमैत्री आ सरल स्वभावक कारण स्थानीय जनतामे खूब लोकप्रिय छलाह। हुनकर पिता विशेश्वर प्रसाद यादव राणा पञ्चायती शासनक विरोध आ आन्दोलनमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएने छल ।

पिताक प्रेरणासँ दिपक यादव विद्यार्थी जीवनकालसँ राजनीतिक यात्रा प्रारम्भ कएलनि। ओ पछिला दिनमे प्रजातान्त्रिक आन्दोलन, जनआन्दोलन आ मधेश आन्दोलनमे सक्रिय रहलाह। हुनका एक पुत्र, एक पुत्री आ पत्नी छथि।

ताजा खबर
धेरै पढिएको