
वीरगञ्ज (पर्सा), १२ भादबः अइ ठामक नारायणी अस्पतालमे हैजासँ सङ्क्रमित ६४ गोटे बेमारसभक इलाज भ रहल अइछ । अस्पतालक प्रवक्ता डा. उदयनारायण सिंहके अनुसार हुनकासभहक अवस्था सामान्य अइछ ।
अस्पतालमे इएह भादब ६ गतेसँ ११ गतेधैर २२६ गोटे पेटझरीके बेमारसभ आएल छल। जइमे १६२ गोटे नीक भ क डिस्चार्ज भेल ओ जानकारी देलैन । तहिना ६ गोटेके आईसीयूमे इलाज भ रहल अइछ ।
बुधदिन साँझधैर ११० गोटेके ‘कोलेरा आरडिटी’ परीक्षण कएल गेल छल । जइमे ४८ गोटेमे हैजाके सङ्क्रमण पुष्टि भेल छल । आरडिटी पोजिटिभमेसँ १५ गोटेके नमूना ‘कल्चर’के लेल प्रादेशिक जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला पठाएल गेल छल । जइमे १२ गोटेमे ‘भिब्रिओ कोलेरा’ पुष्टि भेल बताओल गेल अइछ । रासस