
काठमाण्डू, १३ भादबः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली पर्साके वीरगञ्जमे हैजा महामारी रोकथाम आ नियन्त्रणक लेल स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयके समवंयमे नेपाली सेनासहित चारु सुरक्षा निकायक डाक्टर आ मसिनसभक परिचालन तथा प्रयोग कएल जेबाक बतौलैन अइछ ।
प्रतिनिधि सभाक आजुक बैसारकेँ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री ओली मन्त्रिपरिषद्क निर्णयसँ वीरगञ्जमे आउटब्रेक भेल हैजा नियन्त्रणमे आओत से विश्वास व्यक्त केलैन । महामारीसँ तीन गोटेके निधन भेलासँ ओ दुःख व्यक्त सेहो केलैन । प्रधानमन्त्री ओली हैजा नियन्त्रणक लेल सरकारके दिससँ पहल भेल तथा रोगके स्रोत खोजी भ रहल बतौलैन ।
बेमारसभक इलाज करबाक तथा सचेतनाके व्यवस्था कएल गेल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री ओली नारायणी अस्पतालमे निःशुल्क इलाजके सङे निजी अस्पतालमे सेहो इलाज भ रहल संसदके जानकारी करौलैन । रासस