
काठमाण्डू, ८ आसिनः डेङ्गु सङ्क्रमितके सङ्ख्या पाँच हजार लगचियाएल अइछ । इपिडिमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण महाशाखा अन्तर्गतके किटजन्य रोग शाखाके प्रमुख डा. गोकर्ण प्रसाद दाहालके कहब अनुसार चाइर हजार आठ सओ १४ गोटेमे डेङ्गु सङ्क्रमण पुष्टि भेल अइछ ।
डोल्पा, हुम्ला आ मनाङ्ग जिलाबाहेक सब जिलामे डेङ्गु सङ्क्रमण फैलल अइछ । सङ्क्रमणसँ अखनधैर दू गोटेके मृत्यु भेल दाहाल बतौलैन । वर्षा भ रहलासँ आ जाढ़ सेहो सुरु होबए लगलाके बाद डेङ्गु सङ्क्रमणके जोखिम कम होबाक ओ बतौलैन ।
तथ्याङ्कअनुसार कोशी प्रदेशमे सात सओ १४, मधेश प्रदेशमे ९५, बागमती प्रदेशमे एक हजार ६४, गण्डकी प्रदेशमे एक हजार २ सओ ७३, लुम्बिनी प्रदेशमे आठ सओ ४३, कर्णाली प्रदेशमे दू सओ ७० आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे पाँच सओ ५५ गोटेमे डेङ्गु सङ्क्रमण पुष्टि भेल अइछ । (रासस)