
सर्लाही । सर्लाही जिलाक हरिपुर्वा नगरपालिका–१ स्थित हर्दी नदीक पायामे आइ माइट खुनैत काल खसल धसनामे चिपाकए चाइर गाेटाके मृत्यु भेल अइछ।
मृत्यु हाेयबालामे महोत्तरी सोनमा गाउँपालिका–६ निवासी ६५ वर्षीया सायदा खातुन, ६ वर्षीया सविवा खातुन, ८ वर्षीय डिल्लु मंसुर आ ९ वर्षीया नर्गिस खातुन छइथ। बुध दिन भाेर करीब ९:२० बजे माइट काेडबाक क्रममे ओ सa नम्हर धसना तरमे चिपा गेल छल।
प्रहरी चौकी हरिपुर्वाक टोली घटनास्थल पर पहुँचकए उद्धार क’ कए चारु गाेटाकेँ प्रादेशिक अस्पताल मलंगवा पठाैलक। मुदा अस्पतालमे सब गाेटाकेँ मृत घोषित कएल गेल, जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक सहप्रवक्ता इन्स्पेक्टर बलिस्टर सिंह जानकारी देलक ।