
राजविराज (सप्तरी), १५ आसिनः नेपाली सेनाक हेलिकप्टर मार्फत दशहरा अवसरमे आइ महानवमीक दिन सप्तरीक दू शक्तिपीठमे फूलके वर्षा कएल गेल अइछ ।
जिलाक हनुमाननगर कंकालिनी नगरपालिका–१ भारदह स्थित कंकालिनी भगवती मन्दिरमे नेपाली सेनाक हेलिकप्टर मार्फत पुष्प वृष्टि कएल गेल अइछ । विगत तीन वर्षसँ महानवमीक दिन एत हेलिकप्टर मार्फत फूलके वर्षा कराएल जा रहल अइछ ।
कंकालिनी मन्दिरमे महानवमीक दिन आइ एत पाड़ाक बलि देबाक चलन अइछ । पाड़ाक बलि अखनधैर ५९० टा पहुँचल मन्दिर विकास समिति जनौने अइछ । आइ एत बड्का मेला सेहो लागल अइछ ।
तहिना, छिन्नमस्ता गाउपालिका–३ स्थित सखडामे रहल छिन्नमस्ता भगवती मन्दिरमे सेहो आइ फूलके वर्षा कएल गेल अइछ । गाउपालिकाक आग्रहपर नेपाली सेनाक हेलिकप्टर मार्फत छिन्नमस्ता मन्दिरमे फूलके वर्षा कएल गेल, गाउपालिका अध्यक्ष विद्यानन्द चौधरी जानकारी देलैन । रासस