
राजविराज (सप्तरी), १७ आसिनः दशमीके अवसरमे सप्तरीके भारदहस्थित कङ्कालिनी भगवती मन्दिमे अइ बेर ५ सओ ९० टा पाड़ाके बली देल गेल अइछ ।
दशमीक प्रमुख दिनके अवसरमे अइ ठाम नेपाल एवं भारतक बिहार राज्यके श्रद्धालु भक्तजनसभ पाड़ाके बली दैत आएल अइछ ।
मन्दिरके पाड़ा दर्ता डायरी फाँटके शम्भु कुमार मण्डलके अनुसार बितल साल ६ सओ १८ टा पाड़ाके बली देल गेल छल ।
मन्दिर विकास समितिद्वारा कएल गेल गोलाप्रथा विधिसँ हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–१ भारदहके वीरेन्द्र माझीके पाड़ाके सबसँ पहिने बली देल गेल छल । कङ्कालिनी नगरपालिका–१ के अध्यक्ष सुरेन्द्र मण्डलके कहब अनुसार ओइके बाद देशक विभिन्न स्थान आ भारतक बिहार राज्यसँ आनल गेल पशुसभक बली देल गेल छल । रासस