नागढुङ्गासँ साँझ ५ बजेधैर मात्रे सवारीसाधन प्रस्थानक अनुमति


काठमाण्डू, १९ आसिनः बाइढ़, भूस्खलन तथा विपद्के सम्भावित घटनाकेँ ध्यानमे राखैत लम्बा दूरीके रात्रिकालीन बसकेँ साँझ ५ः०० बजेधैर नागढुङ्गासँ प्रस्थानक लेल अनुमति देल गेल अइछ ।

बाइढ़, भूस्खलनलगायत विपद्क खतराकेँ मध्यनजर करैत काठमाण्डूसँ नागढुङ्गामे ५ः०० बजेधैर पहुँचल लम्बा दूरीके रात्रिकालीन बसकेँ मात्रे गन्तव्यदिस पठाओल जेबाक उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता एवं प्रहरी उपरीक्षक नरेश राज सुवेदी राससकेँ जानकारी देलैन ।

ओ कहलैन, “बाइढ़, भूस्खलनके सम्भावित खतरा अखनो रहलासँ नागढुङ्गामे साँझ ५ः०० बजेधैर पहुँचल रात्रिकालीन बसकेँ मात्रे जेबाक अनुमति देल जाएत । ओएह अनुसार हमसभ सम्बन्धित बस व्यवसायीके संस्थामे जानकारी करौने छियै ।”

तहिना, राइतक समयमे खतरा आओर बेसी भेलाक कारण ड्राइभरसभके सवारीसाधन नै चलेबाक लेल उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय आग्रह कएने अइछ ।

आइ भोरसँ कम्तीमे २ सओके हाराहारीमे नागढुङ्गासँ लम्बा तथा छोट दूरीके सवारीसाधन प्रस्थान कएने ट्राफिक प्रहरी जनौलक अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको