रासस/सिन्ह्वा
एडेन (यमन), २५ आसिन : यमनके सरकारी सेना बितल २४ घण्टामे हुथी समूह विरुद्ध एक हजार ९ सओसँ बेसी सैन्य आक्रमण कएल गेल आ उक्त आक्रमणमे एक हजार एक सओ ५० सँ बेसी लड़ाकुके मृत्यु भेल दाबी केलक अइछ ।
सरकारी सेनाके प्रवक्ता माजेद अल–नुजाइली सामाजिक सञ्जाल एक्समार्फत जारी कएने वक्तव्यमे पूर्वी, पश्चिमी तथा दक्षिणपश्चिमी मोर्चामे सञ्चालन कएल गेल आक्रमणमे हुथी समूहक हतियार भण्डार, सैन्य शिविर, किल्लाबन्दी, तोपखाना तैनाथ क्षेत्र, सैनिक जमघट तथा आपूर्ति मार्गकेँ लक्षित कएल गेल बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार हुथीके नियन्त्रणमे रहल क्षेत्रभित्रके महत्त्वपूर्ण सैन्य लक्ष्यमे सेहो आक्रमण कएल गेल छल । कारबाहीके क्रममे एक सओ ८० सँ बेसी सैन्य तथा रसदसम्बन्धी सवारीसाधन नष्ट वा क्षतिग्रस्त भेल सरकारी सेनाके दाबी अइछ ।
प्रवक्ता अल–नुजाइली ई कारबाही हुथी समूहके सैन्य गतिविधि तथा अग्रपङ्क्तिमे आवश्यक सामग्री आपूर्ति करबाक क्षमतामे असर करबाक बतौलैन । सरकारी सेना विभिन्न क्षेत्रमे अपन उपस्थिति विस्तार करैत रणनीतिक स्थानसभपर नियन्त्रण सुदृढ़ बनेबाक प्रयास जारी रहल जनौलक अइछ ।
यद्यपि, सरकारी सेना सार्वजनिक कएने हताहती तथा क्षतिसम्बन्धी विवरण स्वतन्त्र रूपमे पुष्टि नै भ सकल अइछ । अइ विषयमे हुथी समूहक प्रतिक्रिया सेहो सार्वजनिक नै भेल अइछ ।
यमन सरकार सोमदिनसँ हुथी नियन्त्रणमे रहल क्षेत्र पुनः अपना नियन्त्रणमे आनबाक उद्देश्यसहित पैघ स्तरके सैन्य अभियान सुरु कएने छल । दक्षिणपश्चिमी यमनस्थित रणनीतिक महत्त्वके बाब अल–मन्देब जलडमरूमध्य आसपास दूनु पक्ष बीच तीव्र भिडन्त भ रहल बताओल गेल अइछ ।
अइ बीच, यमन सरकारकेँ समर्थन करैत साउदी अरब हवाई सैन्य कारबाही तीव्र बनौलक अइछ । हुथी समूह सेहो साउदी अरब भीतरके विभिन्न लक्ष्यमे क्षेप्यास्त्र तथा ड्रोन आक्रमण बढ़ौलक अइछ । ओइमध्ये राजधानी रियादस्थित किङ खालिद अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलकेँ समेत निशाना बनाएल गेल समाचारमे उल्लेख अइछ ।
यमनमे सन् २०१४ के अन्त्यसँ द्वन्द्व जारी अइछ । ओइ समयमे हुथी समूह राजधानी साना आ देशक उत्तरी भू–भागके पैघ हिस्सामे नियन्त्रण कायम कएने छल । सन् २०१५ मे साउदी अरबके नेतृत्वमे रहल गठबन्धन अन्तर्राष्ट्रिय मान्यता प्राप्त यमनी सरकारके समर्थनमे सैन्य हस्तक्षेप कएने छल । हाल उक्त सरकार दक्षिणी बन्दरगाह सहर एडेनमे आधारित अइछ ।





