काठमाण्डू, २३ आसिनः शिक्षककेँ सवारीसाधन खरिदके ब्याजमे सहुलियत देबाक व्यवस्थासहितके शिक्षा (एघारहम संशोधन) नियमावली, २०८३ सहमतिक लेल शिक्षा मन्त्रालय अर्थ मन्त्रालयमे पठाएल गेल अइछ ।
प्रस्तावित व्यवस्थाअनुसार माध्यमिक तह प्रथम श्रेणीके शिक्षक ५० लाख टकाधैर आ द्वितीय श्रेणीके शिक्षक ४० लाख धैर तकके सवारीसाधन खरिद क सकत।
तहिना, माध्यमिक तृतीय श्रेणी, निम्नमाध्यमिक आ प्राथमिक तहके सब श्रेणीके शिक्षक चाइर लाख तकके दूपहिया सवारीसाधन खरिद क सकबाक व्यवस्था प्रस्ताव कएल गेल अइछ ।
शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयअनुसार सवारीसाधन खरिदके लेल बैंकमार्फत होएबला वित्तीय व्यवस्थामे लागत नगदके ८० प्रतिशत धैर किस्ताके ब्याजसरकार सहुलियतस्वरूप देबाक व्यवस्था नियमावलीमे उल्लेख अइछ । (रासस)





