नकपुरधाममे दशमीके रौनक, शक्तिपीठमे पूजापाठके तैयारी


जनकपुरधाम, २५ आसिन : दशमीके अवसरमे मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधाम सजाएल गेल अइछ । दशमीकेँ भव्य, सभ्य आ व्यवस्थित रूपमे मनेबाक लेल अइ ठामक प्रमुख शक्तिपीठ तथा देवी मन्दिरमे पूजापाठ आ दर्शनके व्यवस्थापनसहित सहर सजेबाक काज पूरा भेल अइछ ।

जनकपुरधामक सड़कपर स्वागतद्वार निर्माण कएल गेल अइछ, तँ सड़क चौककेँ आकर्षक रूपमे सजाएल गेल अइछ । दशमीके अवसरमे श्रद्धालु भक्तजनके सहज आवागमन तथा पूजापाठकेँ व्यवस्थित बनेबाक लेल विभिन्न तैयारी कएल गेल अइछ ।

जनकपुरधामस्थित प्रसिद्ध राजदेवी मन्दिरसहित अन्नपूर्णा मन्दिर, बौद्धिमाई मन्दिर, कपिलेश्वरस्थित जेठी राजदेवी मन्दिर, बूढियामाई स्थान, पीडरियामाई स्थान, पल्टिमाई तथा वैष्णवी देवी मन्दिरलगायत शक्तिपीठमे पूजापाठ आ दर्शनके व्यवस्थापन मिलाएल गेल श्रीराम युवाक्लब जनकपुरधामक अध्यक्ष विजय कुमार साह जानकारी देलैन ।

राजदेवी मन्दिरके व्यवस्थापन महावीर युवा कमिटी करैत आएल अइछ, तँ अन्नपूर्णा आ बौद्धिमाई मन्दिरके व्यवस्थापन राम युवा कमिटी क हरल अइछ । तहिना, कपिलेश्वर क्षेत्रके जेठी राजदेवी मन्दिर, महारानीमाईलगायत शक्तिपीठके व्यवस्थापन हरिदनाथ युवा कमिटी तथा सम्बन्धित समिति करैत आएल अइछ ।

दशमीके अवसरमे जनकपुरधामक शक्तिपीठमे पूजापाठ तथा दर्शनके लेल नेपालक विभिन्न जिला आ सीमावर्ती भारतीय क्षेत्रसँ सेहो पैघ सङ्ख्यामे श्रद्धालु भक्तजन आबैत अइछ । विशेष क राजदेवी मन्दिरमे दर्शनार्थीके भीड़ बढ़बाक कारण भक्तजनकेँ सहज रूपमे पूजापाड आ दर्शन करबाक वातावरण मिलेबाक आवश्यक तैयारी कएल गेल अध्यक्ष साह बतौलैन ।

महावीर युवा कमिटीके अध्यक्ष दीपक कुमार साह सम्भावित भीड़केँ ध्यानमे राखैत मन्दिर परिसरके व्यवस्थापन, दर्शन तथा पूजापाठकेँ सहज बनेबाक आ धार्मिक कार्यक्रमकेँ व्यवस्थित रूपमे सञ्चालन करबाक तैयारी पूरा कएल गेल बतौलैन ।

दशमीके अवसरमे मिथिलाके मौलिक कला, संस्कृति आ लोकपरम्पराके संरक्षण तथा प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसँ विभिन्न सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन करबाक जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार दशमीभैर मिथिलाके विशिष्ट लोकनृत्य झिझिया, भजनसन्ध्या तथा रावण दहनलगायत कार्यक्रम सञ्चालन कएल जाएत ।

धार्मिक आस्था, सांस्कृतिक उत्सव आ सामाजिक सद्भावके सङ्गमके रूपमे रहल दशमीके लेल जनकपुरधामक शक्तिपीठ सजाएल गेल अइछ । पाबैन तिहारकेँ शान्तिपूर्ण आ सुरक्षित बनेबाक लेल धनुषा प्रहरीद्वारा सेहो विशेष सुरक्षा योजना कार्यावंयनमे आनल गेल अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालय धनुषाके प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक रूपेश खड्का पाबैन तिहारके समय हुअबला भीड़भाड़ व्यवस्थापन तथा सुरक्षा अवस्थाकेँ लक्षित क विशेष सुरक्षा योजना लागू कएल गेल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार पाबैन तिहारकेँ ध्यानमे राइख लम्बा दूरीके सवारीसाधनमे जाँच, नियमित गस्ती तथा बैंक आ वित्तीय संस्था, सोनाचाँदीके दोकान आ मोटरसाइकल चोरी नियन्त्रणक लेल विशेष सुरक्षा कार्ययोजना लागू कएल गेल अइछ ।

विशेष सुरक्षा योजनाअन्तर्गत जिलाभैर ७० टा पिकेट, ४६ टा पैदल गस्ती, सातटा बजार अनुगमन टोली, सातटा विशेष अपरेसन टोली, १५ टा विपद प्रतिकार्य टोली तथा १३ टा गाड़ी आ मोबाइल टोली परिचालन कएल जाएत । तहिना, लालगढमे एकटा चेकप्वाइन्ट सञ्चालन करबाक व्यवस्था मिलाएल गेल प्रहरी उपरीक्षक खड्का बतौलैन ।

सीमावर्ती क्षेत्र तथा संवेदनशील स्थानपर विशेष निगरानी बढ़ेबाक सङे विभिन्न तहके गस्तीकेँ प्रभावकारी बनाएल गेल अइछ । पाबैन तिहार लक्षित सुरक्षा व्यवस्थापनक लेल एक हजार २ सओ ११ गोटे प्रहरी जनशक्ति परिचालन कएल गेल ओ जानकारी देलैन ।

अइ बीच, दशमी, दीपावली तथा छैठ पाबैनकेँ लक्षित करैत जनकपुरधाममे सस्ता बजार सञ्चालन कएल गेल अइछ । विगत ४० सालसँ सञ्चालन होइत आएल उक्त बजारमे उपभोक्ता दैनिक उपभोग्य सामग्रीसँ पाबैन तिहारमे आवश्यक विभिन्न सामान एकेटा स्थानसँ सहुलियत दाममे खरिद क सकत ।

जनकपुरधामस्थित गोपाल धर्मशालामे सुरु भेल सस्ता बजारमे अइ साल एक सओ ५० सँ बेसी प्रदर्शनी कक्ष राखल गेल अइछ । खाद्यान्न, साबुन, सर्फ, चायपती, अगरबत्ती, बर्तनभाँड़ा तथा कपड़ालगायत दैनिक जीवनमे आवश्यक सामग्री बिक्रीके लेल राखल गेल जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष सुरेन्द्र भण्डारी जानकारी देलैन ।

पाबैन तिहारके समय उपभोक्ताकेँ एकेटा स्थानसँ आवश्यक सामग्री सहज आ सहुलियत दाममे उपलब्ध करेबाक उद्देश्यसँ सञ्चालन होइत आएल बजारप्रति सर्वसाधारणके आकर्षण प्रत्येक साल बढ़ैत गेल अध्यक्ष भण्डारी बतौलैन ।

धार्मिक तथा सांस्कृतिक गतिविधि, सुरक्षा व्यवस्थापन आ सहुलियत बजार सञ्चालन सङे जनकपुरधाममे दशमीके रौनक बढ़ल अइछ । मन्दिरमे पूजापाठ, सांस्कृतिक कार्यक्रम आ किनमेलके लेल सर्वसाधारणके चहलपहल बढ़लासँ मिथिलाके धार्मिक तथा सांस्कृतिक केन्द्र जनकपुरधाम सुन्दर बनल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय